8 मिनटक में 200 सवाल, 7 हजार बच्चा सभके मैथ्स चुनौती

मुंबई । गणितकेँ किताब आ क्लासरूम धरि सीमित नहि राखि, ओकरा तेज सोच, एकाग्रता आ आत्मविश्वास सँ जोड़बाक अनोखा नजारा मुंबईमे देखबाक लेल भेटल। वाशी स्थित सीडको एग्जिबिशन एंड कन्वेंशन सेंटर मे आयोजित 25म UCMAS नेशनल कॉम्पटीशन मे देशभरि सँ 7 हजार सँ बेसी बच्चा भाग लेलनि आ अपन गणितीय प्रतिभाक शानदार प्रदर्शन केलनि।

5 आ 6 सितंबर केँ आयोजित एहि राष्ट्रीय प्रतियोगितामे 28 राज्य आ 8 केंद्र शासित प्रदेशक विद्यार्थी शामिल भेलाह। बच्चासभक सामने चुनौती आसान नहि छल—मात्र 8 मिनटक भीतर 200 गणितक सवाल हल करबाक छल।

अबेकस आ मेंटल कैलकुलेशन तकनीकक माध्यम सँ बच्चासभ तेज गति आ सटीकता संग सवाल हल कएलनि। एहि दौरान हुनका सभक एकाग्रता, स्मरण शक्ति, कल्पनाशक्ति आ समस्या समाधानक क्षमता सेहो देखबाक लेल भेटल।

कार्यक्रममे महाराष्ट्र विधानसभा उपाध्यक्ष सचिन अहीर सहित UCMASक वरिष्ठ अंतरराष्ट्रीय पदाधिकारी उपस्थित छलाह। बच्चासभक उत्साह बढ़ेबाक लेल 14 हजार सँ बेसी अभिभावक आ दर्शक कार्यक्रम स्थल पर पहुँचने छलाह।

प्रतियोगिताक ग्रैंड अवॉर्ड समारोह मे उत्कृष्ट प्रदर्शन करनिहार बच्चासभकेँ सम्मानित कएल गेल।

एहि आयोजन सँ ई संदेश स्पष्ट भेल जे गणित केवल अंकक खेल नहि, बल्कि तेज सोच, एकाग्रता आ आत्मविश्वासकेँ मजबूत करबाक एक प्रभावी माध्यम सेहो अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *