
नई दिल्ली। भारतमे फ्रांसक राजदूत महामहिम थिएरी माथू 28 अक्टूबरकेँ फ्रांस निवासमे आयोजित एकटा विशेष समारोहमे भारती एंटरप्राइजेजक संस्थापक आ अध्यक्ष सुनील भारती मित्तल केँ फ्रांसक सर्वोच्च नागरिक सम्मान ‘शेवेलिए द ल’ऑर्द्र नेशनल द ला लेजियों दनर’ (नेशनल ऑर्डर ऑफ द लीजन ऑफ ऑनर) प्रदान कयलनि।
फ्रांस सरकार ई सम्मान भारत आ फ्रांसक आर्थिक संबंधकेँ मजबूत बनेबाक लेल मित्तलक निरंतर योगदान आ दूरसंचार, डिजिटल अवसंरचना तथा उपग्रह संचारक क्षेत्रमे हुनकर अग्रणी उपलब्धिक लेल देलक अछि।
समारोहकेँ संबोधित करैत फ्रांसक राजदूत थिएरी माथू कहलनि जे सुनील भारती मित्तल भारत-फ्रांस आर्थिक संबंधकेँ प्रगाढ़ बनेबामे महत्वपूर्ण भूमिका निभौने छथि। एक्सा (AXA) आ अल्काटेल-लुसेंट (Alcatel-Lucent) सन फ्रांसीसी कंपनियोंक संग हुनकर व्यावसायिक जुड़ाव दुनू देशक कारोबारी संबंधकेँ मजबूत कयलक। ओतहि फ्रांसीसी उपग्रह कंपनी यूटेलसैट (Eutelsat) मे हुनकर निवेश फ्रांसक रणनीतिक आत्मनिर्भरता आ अंतरिक्ष क्षेत्रक महत्वाकांक्षाकेँ सेहो समर्थन देलक अछि।
राजदूत कहलनि जे ई सम्मान व्यापारिक संबंधकेँ विस्तार देबाक, उच्चस्तरीय कूटनीतिक संवादकेँ बढ़ावा देबाक आ उपग्रह संचार क्षेत्रमे निवेशक माध्यमसँ फ्रांसक संग दीर्घकालीन रणनीतिक साझेदारी मजबूत करबाक प्रति मित्तलक प्रतिबद्धताक सम्मान अछि।
सम्मान ग्रहण कयलाक बाद सुनील भारती मित्तल कहलनि, “फ्रांसीसी गणराज्यक राष्ट्रपतिक दिससँ भेटल एहि सम्मानसँ हम अभिभूत आ विनम्र छी। फ्रांसक संग हमर संबंध 1992 मे एयरटेलक स्थापना कालसँ शुरू भेल छल, जखन कॉम्पैनी जेनरल देज़ो (Compagnie Générale des Eaux) भारतमे मोबाइल टेलीफोनी सेवा शुरू करबाक लेल भारतीक संग साझेदारी कयने छल। आइ ई संबंध यूरोपक प्रमुख उपग्रह कंपनी यूटेलसैटक उपाध्यक्षक रूपमे हमर भूमिकाक माध्यमसँ आगू बढ़ि रहल अछि। हम राष्ट्रपति इमैनुएल मैक्रोंक प्रति आभार व्यक्त करैत एहि सम्मानकेँ स्वीकार करैत छी आ भारत-फ्रांस आर्थिक संबंधकेँ आओर मजबूत बनेबाक अपन प्रतिबद्धता दोहरबैत छी।”
उल्लेखनीय अछि जे भारत आ फ्रांस विशेष वैश्विक रणनीतिक साझेदारीक अंतर्गत अंतरिक्ष आ डिजिटल प्रौद्योगिकीक क्षेत्रमे सहयोग लगातार बढ़ा रहल अछि। एहि क्रममे यूटेलसैटक उपाध्यक्षक रूपमे सुनील भारती मित्तल दुनू देशक द्विपक्षीय संबंधमे महत्वपूर्ण भूमिका निभा रहल छथि। हुनका देल गेल ई सम्मान भारत-फ्रांस आर्थिक आ तकनीकी सहयोगक बढ़ैत आयामकेँ सेहो रेखांकित करैत अछि।