‘लव लॉटरी’ आब 25 सितंबर केँ देत रिश्ताक कतेको अनकहल जवाब

मुंबई । रिश्तामे प्रेम आ भरोसाक संग जखन धोखा, विवाह आ कानूनक पेचीदगी जुड़ि जाइत अछि, तऽ कहानी मात्र भावनात्मक नहि रहैत अछि, बल्कि कतेको सवाल सेहो ठाढ़ करैत अछि। अक्षय ओबेरॉय आ हेली दारूवाला स्टारर फिल्म ‘लव लॉटरी’ किछु एहने सवालकेँ बड़का पर्दा पर सामने अनबाक तैयारीमे अछि।

सेंसर सर्टिफिकेट भेटबामे भेल देरीक कारणे 18 सितंबर केँ प्रस्तावित फिल्मक रिलीज आब एक सप्ताह आगाँ बढ़ा कऽ 25 सितंबर 2026 कऽ देल गेल अछि।

कुलदीप भार्गव ‘तुषार’ द्वारा सिनेमा-गंज फिल्म्सक बैनर तर निर्मित आ अरविंद पांडे द्वारा निर्देशित ई फिल्म आधुनिक रिश्ता, वैवाहिक विवाद, धोखा आ गुजारा भत्ता सन संवेदनशील मुद्दाकेँ सस्पेंस आ कोर्टरूम ड्रामाक संग प्रस्तुत करैत अछि।

फिल्ममे पुरुषक अधिकार आ रिश्तामे अधिकारक संतुलनक मुद्दा सेहो कथाक महत्वपूर्ण हिस्सा अछि। फिल्ममे कबीर दुहान सिंह, विजयंत कोहली, हेमंत पांडे आ इंदिरा कृष्णन सहित अनेक कलाकार महत्वपूर्ण भूमिका मे छथि।

25 सितंबर केँ सिनेमाघरमे भेटत फिल्म

नव रिलीज डेटक संग ‘लव लॉटरी’ दर्शकक सामने एकटा महत्वपूर्ण सवाल राखबाक लेल तैयार अछि—
रिश्तामे जीत सचक होइत अछि वा कानूनक बाजी भारी पड़ैत अछि?

फिल्मक रिलीजक बाद दर्शककेँ प्रेम, विवाह, धोखा आ कानूनी पेचीदगीसँ जुड़ल एहि सवालक जवाबक इंतजार रहत।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *