मुंबई । भारतीय क्रिकेटर श्रेयस अय्यर आब मैदानक बाहर सेहो युवा प्रतिभाक भविष्यकेँ लऽ कऽ नव पारी शुरू कऽ रहल छथि। ओ सिंगापुर मुख्यालयवाली AI-native टैलेंट मोबिलिटी कंपनी Manifest Global मे रणनीतिक निवेश कएलनि अछि।
ई कंपनी करीब 150 सँ बेसी देशमे प्रतिवर्ष लगभग 5 लाख छात्रकेँ शिक्षा आ करियरक अवसरसँ जोड़बाक काज करैत अछि।
श्रेयस अय्यरक मानब अछि जे भारतमे प्रतिभा आ महत्वाकांक्षाक कोनो कमी नहि अछि, मुदा युवासभकेँ सही समय पर सही मार्गदर्शन भेटनाइ एकटा पैघ चुनौती अछि। ओ कहलनि, “भारतमे दुनियाक सभसँ पैघ युवा आबादी अछि आ प्रतिभाक कोनो कमी नहि अछि। जरूरत अछि सही समय पर सही दिशा आ मार्गदर्शनक।”
‘हर बच्चाकेँ भरोसा करयवाला एकटा व्यक्ति चाही’
अपन अनुभवकेँ याद करैत श्रेयस अय्यर कहलनि, “कियो हमर ऊपर तखन भरोसा कएने छल, जखन हम किछुओ हासिल नहि कएने छलहुँ। हर बच्चाकेँ एहन एकटा व्यक्तिक जरूरत होइत अछि, मुदा अधिकांश बच्चाकेँ ई अवसर नहि भेटैत अछि।”
अय्यरक अनुसार, हुनकर ई पहलक उद्देश्य एहन युवासभकेँ सही दिशा आ अवसर उपलब्ध करेनाइ अछि, जे अपन प्रतिभा आ सपनाक अनुरूप आगाँ बढ़बाक प्रयासमे छथि।
प्रतिभा आ अवसरकेँ जोड़बाक प्रयास
Manifest Global क फाउंडर आ सीईओ रोहन पसारी कहलनि, “हर छात्रक भीतर महत्वाकांक्षा अछि आ हर देशकेँ आगाँ बढ़बाक लेल प्रतिभाक जरूरत अछि। Manifest दुनूकेँ जोड़बाक लेल मौजूद अछि।”
आब श्रेयस अय्यर भारतमे छात्र आ परिवारक बीच Manifestक अभियानक चेहरा सेहो बनताह। एहि माध्यमसँ युवासभकेँ शिक्षा, करियर आ प्रतिभाक अनुरूप अवसरक विषयमे जागरूक करबाक प्रयास कएल जाएत।
क्रिकेटक मैदान पर अपन बल्लेबाजीसँ पहचान बनौलाक बाद श्रेयस अय्यर आब एकटा नव पिच पर उतरि रहल छथि—युवा प्रतिभाक पिच पर। एहि नव पारीक लक्ष्य रन बनौनाइ नहि, बल्कि युवासभक प्रतिभाकेँ सही दिशा दऽ कऽ हुनकर सपनाकेँ उड़ान देनाइ अछि।
