मालवीय नगर अग्निकांड : 21 गोटेक मृत्यु, मृतकसभमे कतेको विदेशी नागरिक शामिल; पुलिस दर्ज केलक मामला

नई दिल्ली। दक्षिण दिल्लीक मालवीय नगर स्थित एकटा गेस्ट हाउस आ भोजनालयमे मंगलक भोर भेल भीषण आगिक घटनासँ पूरा राजधानी दहल गेल अछि। एहि दर्दनाक हादसामे आब धरि 21 गोटेक मृत्यु भऽ चुकल अछि, जखन कि कतेको लोक गंभीर रूप सँ घायल छथि। प्रारंभिक जानकारीक अनुसार मृतकसभमे पैघ संख्या मे विदेशी नागरिक सेहो शामिल होयबाक आशंका जताओल जा रहल अछि। घटनाक बाद पुलिस मामला दर्ज कऽ जांच शुरू कऽ देने अछि।

अधिकारीसभक अनुसार आगि फ्लरिश स्टे बी एंड बी नामक भवनमे लागल, जाहिक भूतल पर एकटा भोजनालय संचालित कएल जा रहल छल। आगि एतेक तेजी सँ फैलल जे भवनमे मौजूद लोकसभ केँ बाहर निकलबाक अवसर धरि नहि भेटल। देखते-देखते पूरा परिसर धुआँ आ आगिक लपटमे घिरि गेल, जाहिसँ अफरा-तफरीक स्थिति उत्पन्न भऽ गेल।

दिल्ली अग्निशमन सेवा (फायर सर्विस) केर अधिकारीसभ बतौलनि जे भोर करीब 9:45 बजे आगि लगबाक सूचना भेटल छल। सूचना भेटिते दमकल विभागक कतेको गाड़ी घटनास्थल पर पहुँचल आ आगि पर नियंत्रणक प्रयास शुरू कएल गेल। राहत आ बचाव दल त्वरित कार्रवाई करैत 40 सँ अधिक लोक केँ सुरक्षित बाहर निकाललक, जखन कि घायलक तत्काल विभिन्न अस्पतालमे भर्ती कराओल गेल।

प्रारंभिक जानकारीक अनुसार भवनक बेसमेंट आ ऊपरी मंजिलमे कतेको लोक फँसल छलाह। दमकल कर्मी जोखिम उठा कऽ लोकसभ केँ सुरक्षित बाहर निकालबाक प्रयास केलनि। घटनाक बाद क्षेत्रमे पुलिस, दमकल विभाग, जिला आपदा प्रबंधन प्राधिकरण आ चिकित्सकीय दलक व्यापक तैनाती कएल गेल।

जिला आपदा प्रबंधन प्राधिकरण (डीडीएमए) केर अधिकारीसभक कहब अछि जे सूचना भेटिते आपातकालीन प्रतिक्रिया प्रणाली सक्रिय कऽ देल गेल छल। उप-मंडलीय मजिस्ट्रेट जितेंद्र कुमार कहलनि जे सभ संबंधित एजेंसी केँ तत्काल घटनास्थल पर पहुँचबाक निर्देश देल गेल छल। हुनक अनुसार आगि लगबाक वास्तविक कारण आब धरि स्पष्ट नहि भऽ सकल अछि, मुदा प्रारंभिक आशंका अछि जे आगिक शुरुआत भूतल पर संचालित भोजनालय सँ भेल होएत।

एहि दुखद घटनापर प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी गहरा शोक व्यक्त केलनि। प्रधानमंत्री कार्यालय द्वारा जारी संदेशमे मृतकसभक परिजन प्रति संवेदना व्यक्त कएल गेल आ घायलक शीघ्र स्वास्थ्य लाभक कामना कएल गेल। संगहि प्रधानमंत्री राष्ट्रीय राहत कोष (पीएमएनआरएफ) सँ प्रत्येक मृतकक परिजन केँ 2 लाख रुपया तथा प्रत्येक घायल केँ 50 हजार रुपया सहायता राशि देबाक घोषणा कएल गेल।

दिल्लीक मुख्यमंत्री रेखा गुप्ता सेहो घटनापर शोक व्यक्त करैत कहलनि जे सरकार पूरा स्थिति पर नजरि बनाएने अछि आ प्रभावित परिवारसभ केँ हरसंभव सहायता उपलब्ध कराओल जा रहल अछि। हुनका अनुसार दिल्ली अग्निशमन सेवा, दिल्ली पुलिस, जिला प्रशासन, एंबुलेंस सेवा आ अन्य आपात एजेंसी समय पर राहत आ बचाव कार्य शुरू केलक, जाहिसँ कतेको लोकक जान बचाओल जा सकल।

ओहि बीच पुलिस मामला दर्ज कऽ लेने अछि आ आगि लगबाक कारणक जांच शुरू भऽ गेल अछि। फॉरेंसिक टीम घटनास्थल सँ साक्ष्य जुटाबयमे लागल अछि। अधिकारीसभक कहब अछि जे जांच पूरा होएबाक बादे आगि लगबाक वास्तविक कारण स्पष्ट भऽ सकत।

ई हादसा एक बेर फेर राजधानीमे अग्नि सुरक्षा व्यवस्था, भवन निर्माण मानक आ आपातकालीन सुरक्षा उपायसभक अनुपालन पर गंभीर सवाल खड़ा कऽ देने अछि। विशेषज्ञसभक मानब अछि जे यदि सुरक्षा मानकसभक कड़ाई सँ पालन कएल जाए, तँ एहन त्रासद घटनासभ केँ काफी हद धरि रोकल जा सकैत अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *