
नालंदा। थरथरी प्रखंडक अमेरा गाम स्थित डॉ. रामस्वरूप संस्कृत प्राथमिक सह मध्य विद्यालय विगत पाँच मास सँ पूर्णरूपेण बंद पड़ल अछि। विद्यालय के एकमात्र शिक्षक उमाकांत पाण्डेय के 31 दिसम्बर 2025 कें सेवानिवृत्त भेला के बाद सँ विद्यालय मे पठन-पाठन ठप्प भऽ गेल अछि। 1 जनवरी 2026 सँ विद्यालय मे कक्षा संचालन नहि भऽ सकल अछि। एहि कारणेँ विद्यालय के करीब 70 छात्र-छात्रा केर पठन-पाठन संकटमे पड़ि गेल अछि।
ग्रामीण सभक कहब अछि जे शिक्षक के सेवानिवृत्ति के बाद शिक्षा विभाग द्वारा एखन धरि कोनो नव शिक्षकक नियुक्ति अथवा प्रतिनियुक्ति नहि कयल गेल अछि। परिणामस्वरूप विद्यालय मे ताला लटकल अछि आ बच्चा सभक पढ़ाइ-लिखाइ प्रभावित भऽ रहल अछि। किछु विद्यार्थी आन विद्यालय मे नामांकन करा लेने छथि, मुदा आन बच्चा नियमित शिक्षा सँ वंचित भऽ रहल छथि।
एक्के शिक्षक के भरोसे छल 70 सँ बेसी छात्रक भविष्य
ग्रामवासी सहित विद्यालय प्रबंधन समिति केर सदस्य धरि शिक्षा विभाग सँ अविलंब शिक्षक उपलब्ध करा विद्यालयमे फेर सँ शैक्षणिक गतिविधि शुरू करबाक मांग केने छथि। ग्रामीणसभक कहब अछि जे विद्यालय केर एकमात्र शिक्षक के रिटायर भेला के पाँच मास बीति गेल अछि , मुदा विभाग एखन धरि अहि विषय पर गंभीरता नहि देखा रहल अछि।
ग्रामीण सभक अनुसार 1977 मे स्थापित ई विद्यालय क्षेत्र मे संस्कृत शिक्षाक प्रमुख केंद्र रहल अछि। विद्यालय परिसर मे तीनटा कमरा, तीनटा शौचालय आ शुद्ध पेयजल केर समुचित व्यवस्था उपलब्ध अछि। पूर्व मे एतय कक्षा एक सँ आठ धरि पढ़ाइ होइत छल आ मध्याह्न भोजन योजना सेहो नियमित रूपेँ संचालित होइत छल। विद्यालय बंद रहबाक कारणे छात्र सब शिक्षा के संगहि सरकारी योजनाक लाभ सँ सेहो वंचित भऽ रहल छथि।
विद्यालय मे पढनिहार छात्रसभक अभिभावकक कहब अछि जे लगातार विद्यालय बंद रहला सँ बच्चासभक शैक्षणिक स्थिति पर नकारात्मक प्रभाव पड़ि रहल अछि। समय पर शिक्षकक तैनाती नहि भेला सँ बच्चासभक भविष्य आओर अन्हार मे पड़ि सकैत अछि। ग्रामीणसभ चेतावनी देलनि अछि जे शीघ्र समाधान नहि भेटला पर ओ सभ आंदोलन करबाक लेल बाध्य होइताह।
दोसर दिस एहि संबंध मे थरथरीक प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी (बीईओ) विजय शंकर प्रसाद कहलनि जे विद्यालय मे शिक्षक नहि रहबाक स्थिति सँ वरीय अधिकारीसभकें अवगत करा देल गेल अछि।मार्गदर्शन लेल विभागीय स्तर पर पत्र सेहो पठाओल गेल अछि, मुदा एखन धरि कोनो स्पष्ट निर्देश प्राप्त नहि भेल अछि। एहि कारणे नव शिक्षकक नियुक्ति , छात्रसभक समायोजन आ विद्यालय मे पुनः पढ़ाई शुरू होएबाक विषय मे स्थिति स्पष्ट नहि भऽ सकल अछि।