
पटना। राजधानी पटना से सटल दानापुर मे एकटा अजीबो-गरीब दुकान एखन सोशल मीडिया पर जबरदस्त चर्चा मे अछि। बाहर सँ देखला पर ई पूरा जगह एसबीआई एटीएम जेकाँ बुझाइत अछि— नील बोर्ड, शीशाक दरवाजा आ एटीएम बूथ सन सेटअप। मुदा ओहिठाम एटीएम मशीनक के बदला नाई कैंची चलबैत नजर अबैत छथि।
एहि अद्भुत ‘हेयर कटिंग एटीएम’ केर वीडियो सोशल मीडिया पर खूब वायरल भ’ रहल अछि। लोक मजाक मे कहि रहल छथि—“कैश नहि, केश विड्रॉअल करू!”
स्थानीय लोकक अनुसार, एहि जगह पर पहिने एसबीआई के एटीएम छल, जत’ दिनभरि ग्राहकक भीड़ लागल रहैत छल। किछु समय पूर्व बैंक अहि जगह के खाली क’ देलक आ मशीन हटा लेलक, मुदा एटीएम के बोर्ड आ पूरा सेटअप ओहिना छोड़ि देल गेल। बाद मे मकान मालिक एहि खाली बूथ केँ एक सैलून बला किराया पर देलथि आ नव किरायेदार सेहो बिना बोर्ड हटौने ओतए हेयर कटिंग सैलून खोलि देलक।
शुरुआत मे लोक खूब भ्रमित होइत छलाह। कतेको लोक कैश निकालए गेलाह, मुदा सामने नाई केँ केश काटैत देखि चौंकि गेलाह। आब स्थिति ई अछि जे ई दुकान दानापुरक ‘लैंडमार्क’ बनि गेल अछि। युवा वर्ग खास तौर पर एहि जगह पर फोटो, रील्स आ वीडियो बनाबए पहुँचि रहल छथि।
सोशल मीडिया पर यूजर्स मजेदार कमेंट सेहो क’ रहल छथि। कियो लिखलक—“बिहार Not For Beginners!” तँ दोसर यूजर लिखलक—“आइए ना… हमरे बिहार में!”
जौं अहूं ‘एटीएम सैलून’ मे ‘केश विड्रॉअल’ करय चाहैत छी, त’ दानापुर मे अहांके स्वागत अछि।