जयपुर : देश मे तेजी सँ विकसित भऽ रहल बुनियादी ढाँचा, लगातार विस्तार करैत एविएशन आ रेल नेटवर्क तथा पर्यटनक बढ़ैत मांगक बल पर केंद्र सरकार केँ भरोसा अछि जे आगाँ आबय वाला 10 वर्ष मे भारतक सकल घरेलू उत्पाद (जीडीपी) मे पर्यटन क्षेत्रक योगदान मौजूदा 5.22 प्रतिशत सँ बढ़िकऽ 10 प्रतिशत धरि पहुँच जाएत।
ई बात भारत सरकारक पर्यटन मंत्रालयक अपर सचिव आ महानिदेशक सुमन बिल्ला ‘द ग्रेट इंडियन ट्रैवल बाजार (GITB)’ केर 15म संस्करणक उद्घाटन सत्र मे कहलनि। एहि कार्यक्रमक आयोजन भारत सरकारक पर्यटन मंत्रालय, राजस्थान सरकार आ फिक्की केर संयुक्त सहयोग सँ कएल गेल।
सुमन बिल्ला कहलनि जे प्रधानमंत्री किछु मास पूर्वे भारतक पर्यटन क्षेत्र लेल स्पष्ट लक्ष्य निर्धारित केने छथि जे आगाँक एक दशक मे एहि क्षेत्रक जीडीपी मे योगदान दुगुना होबाक चाही। हुनकर कहब छल, “ई हमर स्पष्ट लक्ष्य अछि आ एकरा हासिल करबाक लेल सभ आवश्यक कदम उठायल जाएत।”
देश मे तेजी सँ बढ़ैत बुनियादी ढाँचाक चर्चा करैत बिल्ला कहलनि जे 2014 सँ एखन धरि देश मे एयरपोर्टक संख्या 75 सँ बढ़िकऽ 150 भऽ गेल अछि, जखनकि रेल नेटवर्क मे सेहो उल्लेखनीय विस्तार भेल अछि। हुनका अनुसार वंदे भारत ट्रेन तेज, सुरक्षित आ आरामदायक यात्रा उपलब्ध करा पर्यटन क्षेत्र केँ नव गति दऽ रहल अछि।
हुनका अनुसार देशक विमानन क्षमता सेहो तेजी सँ बढ़ि रहल अछि आ 2030 धरि विमानक संख्या मौजूदा 800 सँ बढ़िकऽ लगभग 1600 धरि पहुँचबाक संभावना अछि। सड़क नेटवर्कक विस्तार सेहो पर्यटन क्षेत्र लेल मजबूतीक आधार बनि रहल अछि।
पर्यटन क्षेत्रक उपलब्धि पर प्रकाश दैत सुमन बिल्ला कहलनि जे 2011 मे घरेलू पर्यटकक संख्या 1.5 अरब छल, जे 2025 मे बढ़िकऽ 4 अरबक आँकड़ा पार कऽ गेल अछि। ओतहि विदेशी पर्यटकक संख्या 2014 मे करीब 1 करोड़ सँ बढ़िकऽ आब 2 करोड़ भऽ गेल अछि।
हुनका अनुसार पर्यटन सँ भारत केँ वर्तमान मे 32 अरब डॉलरक विदेशी मुद्रा आय भऽ रहल अछि, जे एहि क्षेत्रक लगातार बढ़ैत ताकत केँ दर्शबैत अछि।
हालाँकि, हुनका ईहो स्वीकार केलनि जे भारतक सांस्कृतिक विविधता, ऐतिहासिक धरोहर आ विशाल भौगोलिक विस्तार केँ देखैत एखनहुँ देश अपन पर्यटन क्षमता केर पूर्ण उपयोग नहि कऽ सकल अछि।
सुमन बिल्ला पर्यटन क्षेत्र सँ जुड़ल सभ हितधारक सँ होटल क्षमता दुगुना करबाक आ विश्वस्तरीय पर्यटन स्थलक विकास करबाक आह्वान केलनि। हुनकर कहब छल जे एहि सँ देशक घरेलू पर्यटक भारतेमे बेसी यात्रा करताह आ दुनियाभरक उच्च खर्च करय वाला पर्यटक सेहो भारत दिस आकर्षित हेताह।
