जानकी नवमी पर वैदेही फाउंडेशन क’ ‘ग्यारहम जानकी प्राकट्योत्सव 2026’ 25 अप्रैल के होएत

नई दिल्ली। वैदेही फाउंडेशन द्वारा जानकी नवमी क’ अवसर पर ग्यारहम वार्षिक आयोजन ‘ग्यारहम जानकी प्राकट्योत्सव 2026’ एहि वर्ष वैशाख शुक्ल नवमी, 25 अप्रैल (शनिवार) के राजेन्द्र भवन सभागार, दीन दयाल उपाध्याय मार्ग, नई दिल्ली मे आयोजित कएल जाएत।

दोपहर बाद शुरू होए बला ई कार्यक्रम रात्रि भोज धरि चलत, जाहि मे सीता सम्बन्धित संगोष्ठी आ परिचर्चा, 5 विधा मे वैदेही स्त्री शक्ति सम्मान, लाइफ टाइम अचीवमेंट सम्मान, सुदीर्घ (स्वर्णिम) दाम्पत्य सम्मान, वार्षिक स्मारिका लोकार्पण, सांस्कृतिक कार्यक्रम आ मिथिला क’ पारंपरिक भोजन मुख्य आकर्षण रहत।

एहि वर्ष 5 अलग-अलग क्षेत्र मे उल्लेखनीय योगदान लेल सम्मानित होए बला महिला सभ क’ नाम अछि—
सामाजिक क्षेत्र मे बबीता मल्होत्रा,
स्वास्थ्य क्षेत्र मे डॉ नोमीता गुप्ता,
साहित्य आ शिक्षा मे नीलम सिंह,
कला आ संगीत मे साक्षी मिश्र,
पत्रकारिता मे नेहा झा

लाइफ टाइम अचीवमेंट सम्मान प्रसिद्ध साहित्यकार प्रोफेसर विद्यानाथ झा विदित के देल जाएत। एहि संगहि एहि वर्ष स’ 50 वर्ष या अधिक समय तक दाम्पत्य जीवन निभौने जोड़ा लेल सुदीर्घ दाम्पत्य सम्मान शुरू कएल गेल अछि। पहिल बेर ई सम्मान दरभंगा क’ माधुरी झाअमरेन्द्र झा के संयुक्त रूप स’ देल जाएत।

कार्यक्रम मे वार्षिक स्मारिका क’ लोकार्पण सेहो होएत, जाहि मे माता सीता पर विभिन्न आलेख आ विगत वर्ष क’ आयोजन सभ क’ विवरण शामिल रहत।

मुख्य वक्ता रूप मे डॉ आलोक कुमार उपस्थित रहथिन। ओहि संग अतिथि वक्ता रूप मे प्रोफेसर राम नाथ झा, तनुजा शंकरडॉ स्वाति चंद्रा सेहो शामिल रहथिन।

वैदेही फाउंडेशन क’ संस्थापक अमर नाथ झा आ अध्यक्षा कुमकुम झा बतौलनि जे कार्यक्रम क’ संचालन प्रोफेसर पंकज कुमार मिश्रडॉ बिभा कुमारी संयुक्त रूप स’ करताह।

सांस्कृतिक कार्यक्रम मे मिथिला स’ आयल धनिक लाल मंडल आ टीम द्वारा गायन, ओतहि अहमदाबाद स’ मनीषा झा द्वारा नृत्य-नाटिका प्रस्तुत कएल जाएत।

हर वर्ष जकाँ एहि बेर सेहो कार्यक्रम क’ समापन मिथिला क’ पारंपरिक भोजन आ पान-सुपारी संग कएल जाएत।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *