7 वर्ष तक कथित शोषण, निजी फोटो वायरल करे के धमकी दे ₹5 लाख वसूली के प्रयास

सूरत (गुजरात)। गुजरात के सूरत शहर मे एक जिम ट्रेनर पर एक उच्च-प्रोफाइल परिवार के महिला संग ठगी, ब्लैकमेलिंग आ मानसिक शोषण के गंभीर आरोप सामने आएल अछि। आरोपी शब्बीर असगर ट्रंकवाला के Special Operations Group (SOG) पुलिस गिरफ्तार क’ लेने अछि।

दोस्ती सँ शुरू भ’ प्रेमजाल तक पहुंचल मामला
जानकारी अनुसार, पीड़ित महिला सूरत के सिटीलाइट इलाका स्थित एक जिम मे जायत छल। ओतहि आरोपी जिम ट्रेनर सं परिचय भेल, जे धीरे-धीरे दोस्ती आ फेर कथित रूप सँ प्रेमजाल मे बदलि गेल।
आरोप अछि जे आरोपी महिला के प्रभावित क’ ओकरा अपन परिवार सं दूर करय के प्रयास कएलक।

सात साल तक चलल कथित शोषण
पीड़ित परिवार के अनुसार, ई सिलसिला करीब सात साल तक चलैत रहल। एहि दौरान आरोपी महिला संग शारीरिक संबंध बनबैत रहल आ ओकर निजी जीवन पर नियंत्रण स्थापित क’ लेलक। महिला धीरे-धीरे अपन पति सं दूरी बना लेलनि, जाहि सँ परिवार मे तनाव बढ़ि गेल।

निजी फोटो सँ ब्लैकमेलिंग के आरोप
मामला एखन गंभीर तब भ’ गेल, जखन आरोपी कथित रूप सँ महिला के निजी फोटो आ वीडियो वायरल करय के धमकी दे ब्लैकमेलिंग शुरू क’ देलक।
पीड़िता के पति के आरोप अछि जे आरोपी ₹5 लाख के मांग कएलक आ धमकी देलक जे भुगतान नहि कएल गेल त निजी सामग्री सार्वजनिक क’ देत।

जान सँ मारय के धमकी सेहो देल गेल
परिवार के अनुसार, एक घटना मे आरोपी पीड़िता के पति के धमकबैत जान सँ मारय के कोशिश सेहो कएलक। एहि घटना के बाद परिवार अत्यंत तनाव मे आबि गेल।

SOG पुलिस कएलक त्वरित कार्रवाई
पीड़िता के पति द्वारा पुलिस सं संपर्क कएल गेल, जाहि पर SOG पुलिस मामला के गंभीरता सँ लेलक आ आरोपी के गिरफ्तार क’ लेलक। पुलिस अधिकारी के अनुसार, किछु दिन पहिने जिम संचालक आ ट्रेनर सभ के बैठक क’ चेतावनी देल गेल छल जे चरित्र सत्यापन बिना ककरो नियुक्ति नहि कएल जाए आ जिम मे आव’ वाली महिला सभ संग अनुचित संपर्क सँ बचल जाए।

ई घटना समाज मे सतर्कता आ जागरूकता के आवश्यकता पर जोर दैत अछि। पुलिस नागरिक सभ सँ अपील कएने अछि जे एहन मामला सामने आबैतहि तुरंत कानून के मदद लेल जाए, जाहि सँ समय पर कार्रवाई संभव भ’ सकए।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *