
मुंबई । फिल्मी दुनिया मे एहि दिन कशिका कपूर के नाम तेजी सँ सुर्खी मे अछि। हुनकर बहुप्रतीक्षित फिल्म कास्ट के रिलीज नजदीक अबैत दर्शक सभ के उत्साह चरम पर पहुँचि रहल अछि। फिल्म के पूरा लुक सामने आबए सँ पहिने टीजर ट्रेलर मे कशिका कपूर के छोट झलकिए दर्शक सभ के बीच जबरदस्त जिज्ञासा पैदा क’ देने अछि। फैंस आ इंडस्ट्री सँ जुड़ल लोक सभ हुनका एकदम नया आ दमदार अंदाज मे देखए लेल उत्साहित छथि।
सोशल मीडिया पर कशिका कपूर के स्क्रीन प्रेजेंस के खूब तारीफ भ’ रहल अछि। एहि सँ साफ संकेत भेटैत अछि जे दर्शक एहि बेर किछु अलग आ प्रभावशाली देखए के उम्मीद क’ रहल छथि।
खास बात ई अछि जे ई चर्चा टीजर रिलीज सँ पहिने सँ शुरू भ’ गेल अछि, जे हुनकर बढ़ैत लोकप्रियता आ मजबूत फैनबेस के दर्शाबैत अछि।
कशिका कपूर अपन अभिव्यक्तिपूर्ण अदाकारी आ काम प्रति समर्पण लेल जानल जाइ छथि। लगातार नव प्रयोग आ मेहनत के दम पर ओ अपन करियर मे नई ऊंचाई हासिल क’ रहल छथि।
एखन सभक नजर फिल्म “कास्ट” के टीजर ट्रेलर पर टिकल अछि। उम्मीद कएल जा रहल अछि जे ई फिल्म कशिका कपूर के करियर के अब तक के सबसे प्रभावशाली अध्याय साबित भ’ सकैत अछि।