सम्राट चौधरी बनलाह बिहार के नव मुख्यमंत्री, पहिल बेर BJP के हाथ मे सत्ता के कमान

पटना। बिहार के राजनीति मे एकटा बड़ा बदलाव देखए के मिलल अछि। सम्राट चौधरी राज्य के 24म मुख्यमंत्री के रूप मे शपथ लेलनि। एहि संग विजय चौधरी आ बिजेंद्र यादव उपमुख्यमंत्री पद के शपथ ग्रहण कएलनि। एहि बदलाव संग राज्य मे लगभग दू दशक सँ चलि रहल नीतीश कुमार के नेतृत्व वाला शासन के औपचारिक अंत भ’ गेल।

राजभवन मे आयोजित एक भव्य समारोह मे राज्यपाल सैयद अता हसनैन सम्राट चौधरी के पद आ गोपनीयता के शपथ दिलेलनि। एहि अवसर पर राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबंधन (NDA) के कई वरिष्ठ नेता उपस्थित छलाह।

बिहार के इतिहास मे ई पहिल बेर भेल अछि जे भारतीय जनता पार्टी के कोनो नेता मुख्यमंत्री बनल छथि। एहिसँ पहिने NDA सरकार मे मुख्यमंत्री पद जनता दल यूनाइटेड के पास रहल छल।

एहि राजनीतिक बदलाव सँ पहिने नीतीश कुमार अपन कैबिनेट भंग क’ मुख्यमंत्री पद सँ इस्तीफा देलनि। आब ओ राज्यसभा सदस्य के रूप मे सक्रिय रहताह।

सम्राट चौधरी 2017 मे भाजपा मे शामिल भेल छलाह आ पिछला सरकार मे उपमुख्यमंत्री रहल छलाह। हुनका पास गृह मंत्रालय जेकाँ महत्वपूर्ण विभाग रहल, जाहिसँ प्रशासनिक स्तर पर हुनकर मजबूत पकड़ मानल जाइत अछि।

सम्राट चौधरी प्रभावशाली कोइरी (कुशवाहा) समुदाय सँ अबैत छथि आ एहि समुदाय सँ मुख्यमंत्री बनय वाला दोसरा नेता छथि। एहि सँ पहिने सतीश प्रसाद सिंह 1968 मे अल्पकाल लेल मुख्यमंत्री बनल छलाह।

चौधरी आब कर्पूरी ठाकुर जेकाँ नेता सभ के श्रेणी मे शामिल भ’ गेल छथि, जे उपमुख्यमंत्री आ मुख्यमंत्री दुनू पद पर कार्य क’ चुकल छथि। हालांकि, कर्पूरी ठाकुर के तुलना मे सम्राट चौधरी के मुख्यमंत्री बनय के प्रक्रिया काफी तेज रहल अछि। सम्राट चौधरी के मुख्यमंत्री बनला सँ बिहार के राजनीति मे एक नव अध्याय शुरू भ’ गेल अछि। आब सभक नजर हुनकर नीतिगत निर्णय आ विकास योजना पर टिकल अछि, जे राज्य के भविष्य के दिशा तय करत।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *