ITC Sunfeast Farmlite द्वारा शुगर-फ्री कुकीज़ लॉन्च, सेहत आ स्वाद कें नया विकल्प

नई दिल्ली: बदलैत जीवनशैली आ बढ़ैत स्वास्थ्य जागरूकता के बीच ITC Limited क फूड्स ब्रांड Sunfeast Farmlite उपभोक्ता सभ खातिर शुगर-फ्री कुकीज़ कें नया रेंज पेश केलक अछि। कंपनी के अनुसार ई पहल ओकर ‘Help India Eat Better’ विजन के अनुरूप अछि, जाहिक उद्देश्य लोकनि कें बेहतर आ स्वस्थ खाद्य विकल्प उपलब्ध करेनाय अछि।

ई नया रेंज खास क’ ओहि लोकनि खातिर तैयार कएल गेल अछि जे अपन दैनिक स्नैक्स मे चीनी के मात्रा घटाब’ चाहैत छथि, मुदा स्वाद सँ कोनो समझौता नहि कर’ चाहैत छथि। शुगर-फ्री कुकीज़ दू फ्लेवर—चोको नट आ हेज़लनट एंड ओट्स—मे लॉन्च कएल गेल अछि।

कंपनी के अनुसार, ई कुकीज़ स्वादिष्ट होए के साथे पोषण के हिसाब सँ सेहो बेहतर विकल्प अछि। एहि मे प्रोटीन के स्रोत उपलब्ध अछि आ ई ट्रांस-फैट मुक्त अछि। ओहिना, हेज़लनट एंड ओट्स कुकीज़ कें लैक्टोज़-फ्री सेहो बनाओल गेल अछि, जे विभिन्न डाइट जरूरत वाला उपभोक्ता सभ खातिर उपयुक्त अछि।

एहि लॉन्च पर प्रतिक्रिया दैत Suraj Kathuria कहलनि जे Farmlite क उद्देश्य सदिखन एहन स्नैक्स उपलब्ध करेनाय रहल अछि जे सेहत आ स्वाद दुनू के संतुलन बनाए रखए। ओ कहलनि जे शुगर-फ्री कुकीज़ के माध्यम सँ कंपनी उपभोक्ता सभ के “गिल्ट-फ्री स्नैकिंग” के अनुभव देब’ चाहैत अछि।

वहीं Shantanu Das कहलनि जे एहि कुकीज़ के तैयार करबा मे आधुनिक फूड साइंस आ रिसर्च के उपयोग कएल गेल अछि, जाहि सँ शुगर-फ्री होए के बावजूद स्वाद आ टेक्सचर मे कोनो कमी नहि रहए।

कंपनी ई कुकीज़ के सिंगल-सर्व पैक मे पेश केने अछि, जाहि सँ ताजगी आ गुणवत्ता बनल रहए। ई उत्पाद 100 ग्राम पैक मे ₹100 के कीमत पर Blinkit, Swiggy InstamartZepto जेकाँ क्विक-कॉमर्स प्लेटफॉर्म पर उपलब्ध रहत।

खाद्य उद्योग के जानकार सभ के मानना अछि जे सेहतमंद स्नैकिंग के बढ़ैत मांग के बीच एहन उत्पाद बाजार मे नया अवसर पैदा क’ सकैत अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *