
गुरुग्राम। हिन्दी साहित्य के समर्पित संस्था “वरिष्ठ नागरिक काव्य मंच” द्वारा आयोजित वार्षिकोत्सव समारोह रविवार, 12 अप्रैल 2026 केँ हरियाणा के Red Rose Public School सभागार में भव्य रूप सँ संपन्न भेल। एहि अवसर पर देश-विदेश सँ आयल साहित्यकार सभ अपन-अपन उत्कृष्ट काव्य प्रस्तुति सँ समारोह केँ विशेष गरिमा प्रदान कएलनि।
समारोह में मंच के संस्थापक डॉ. नरेश “नाज़” आ मकाम ट्रस्ट के अध्यक्ष नियति गुप्ता के सान्निध्य प्राप्त भेल। मुख्य अतिथि के रूप में मकाम के वैश्विक अध्यक्ष डॉ. नीतू सिंह राय उपस्थित रहलीह, जबकि कार्यक्रम के अध्यक्षता मंच के वैश्विक अध्यक्ष राजेन्द्र निगम “राज” द्वारा कएल गेल। रूस के मॉस्को सँ आयल मकाम अध्यक्ष श्वेता सिंह उमा आ राष्ट्रीय कवि संगम के कार्यकारी अध्यक्ष अशोक बत्रा विशिष्ट अतिथि रहलाह।
एहि कार्यक्रम के सफल आयोजन में राष्ट्रीय संरक्षक वीणा अग्रवाल आ राष्ट्रीय उपाध्यक्ष इन्दु “राज” निगम के महत्वपूर्ण योगदान रहल। हरियाणा के विभिन्न इकाई सभ के अध्यक्ष—विनय कुमार, शुभ तनेजा, हेमा चौहान आ त्रिलोक चंद फतेहपुरी—द्वारा कार्यक्रम के सुचारू संयोजन कएल गेल।
समारोह में देश के विभिन्न राज्य आ शहर—दिल्ली, बिहार, मध्य प्रदेश, छत्तीसगढ़, हरियाणा, मेघालय आ अन्य स्थान सभ सँ आयल प्रतिष्ठित साहित्यकार सभ के गरिमामयी उपस्थिति देखल गेल। बाल कवि के रूप में 6 वर्षीय हर्षित कर्ण सेहो अपन प्रतिभा सँ सबके प्रभावित कएलनि।
कार्यक्रम के शुरुआत दीप प्रज्ज्वलन आ माँ सरस्वती के वंदना सँ भेल, जाहि सँ पूरा सभागार भक्तिमय वातावरण में रंगा गेल। कार्यक्रम के दौरान देशभक्ति, सामाजिक सौहार्द आ विभिन्न विषय पर आधारित काव्य रचना प्रस्तुत कएल गेल।
एहि अवसर पर प्रतिभागी सभ के आई-कार्ड, अंगवस्त्र, प्रतीक चिन्ह आ प्रमाण पत्र दे क’ सम्मानित कएल गेल। वर्ष 2025 लेल उत्कृष्ट प्रदर्शन पर विजय मोहन सिंह केँ “संस्थापक अवार्ड” आ चंडीगढ़-1 तथा पश्चिम बंगाल इकाई केँ “सर्वश्रेष्ठ इकाई” सम्मान देबाक घोषणा कएल गेल।
समारोह के अंत में अध्यक्ष राजेन्द्र निगम “राज” सभ साहित्यकार सभ के धन्यवाद ज्ञापित करत कहलनि जे काव्य के माध्यम सँ समाज में जागरूकता फैलाबय के प्रयास अत्यंत सराहनीय अछि। हुनका सभ के उपस्थिति आ योगदान सँ कार्यक्रम सफल आ यादगार बनल।