गोदरेज एंटरप्राइजेज ग्रुप भारतक एयरो इंजन क्षमता केँ देलक मजबूती, महाराष्ट्र बनि रहल वैश्विक एयरोस्पेस हब

मुंबई: भारतक अग्रणी औद्योगिक समूह सभमे सँ एक Godrej Enterprises Group अपन प्रिसिजन इंजीनियरिंग, विश्वस्तरीय गुणवत्ता आ वैश्विक भरोसाक बल पर देशक एयरो इंजन आ उच्च-मूल्य एयरोस्पेस मैन्युफैक्चरिंग क्षमता केँ तेजी सँ मजबूत कए रहल अछि। कंपनी भारतक ‘आत्मनिर्भर भारत’ दृष्टिकोण केँ साकार करए मे महत्वपूर्ण भूमिका निभा रहल अछि।

एयरो इंजनक सभ मॉड्यूल निर्माण करए वाली भारतक एकमात्र निजी कंपनीक रूपमे गोदरेज एंटरप्राइजेज ग्रुप वैश्विक एयरोस्पेस क्षेत्रमे अपन खास पहचान बना चुकल अछि। 1980 दशकमे स्थापित कंपनीक एयरोस्पेस व्यवसाय देशक कई राष्ट्र-निर्माण मिशनक भरोसेमंद साझेदार रहल अछि।

वर्तमान समयमे कंपनी वैश्विक एयरोस्पेस दिग्गज जकाँ Boeing, Safran Aircraft Engines, GE Aerospace, Rolls-RoyceRTX संग साझेदारी कए रहल अछि। कंपनीक एयरोस्पेस कारोबारमे साल-दर-साल करीब 25 प्रतिशत वृद्धि दर्ज कएल गेल अछि, जखनकि निर्यातमे 30 प्रतिशत सँ अधिक बढ़ोतरी भेल अछि।

कंपनी आगामी तीन वर्षमे डिजाइन, रिसर्च एंड डेवलपमेंट (R&D) आ उन्नत डिजिटल मैन्युफैक्चरिंग तकनीक पर लगभग 100 करोड़ रुपयाक निवेश करए जा रहल अछि। एहि निवेशक उद्देश्य नवाचार-आधारित वृद्धि केँ गति देनाइ आ ‘बिल्ट-टू-प्रिंट’ सँ ‘बिल्ट-टू-स्पेसिफिकेशन’ क्षमता धरि पहुँच बनाबनाइ अछि।

एहि दिशा मे महाराष्ट्रक खालापुरमे 100 एकड़ क्षेत्रमे आधुनिक मैन्युफैक्चरिंग सुविधा सेहो स्थापित कएल गेल अछि, जाहिमे दूटा अत्याधुनिक प्लांट शामिल अछि। ई सुविधा भारत आ वैश्विक OEMs लेल एयरोस्पेस आ प्रोपल्शन कार्यक्रमक महत्वपूर्ण उत्पादन केंद्र बनत।

कंपनीक बिजनेस हेड (एयरोस्पेस) Manek Behramkamdin कहलनि जे एयरो इंजन इकोसिस्टम मजबूत इंजीनियरिंग क्षमता, उच्च गुणवत्ता, विश्वसनीय सप्लाई चेन आ निरंतर निष्पादन पर आधारित होइत अछि। हुनक अनुसार गोदरेज नवाचार, उन्नत मैन्युफैक्चरिंग आ मानव संसाधनमे लगातार निवेश कए भारतक एयरो इंजन क्षमता केँ वैश्विक स्तर पर मजबूत करबाक दिशा मे तेजी सँ आगू बढ़ि रहल अछि।

गोदरेजक एहि यात्रा मे एक्टुएटर्स जेकाँ महत्वपूर्ण एयरोस्पेस सिस्टमक स्वदेशी विकास आ निर्माण एक महत्वपूर्ण उपलब्धि मानल जा रहल अछि। एहि संग कंपनी केवल प्रिसिजन कंपोनेंट निर्माता नहि, बल्कि डिजाइन-आधारित इंजीनियरिंग पार्टनरक रूपमे सेहो उभरि रहल अछि, जे एकीकृत एयरोस्पेस सिस्टम उपलब्ध कराबए मे सक्षम अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *