हृदय स्वास्थ्य पर कर्ण गोष्ठी कल्याण समिति, नोएडा द्वारा ऑनलाइन परिचर्चा सफलतापूर्वक आयोजित

नोएडा। कर्ण गोष्ठी कल्याण समिति, नोएडाक तत्वावधानमे चिकित्सा सेवा श्रृंखलाक अंतर्गत हृदय स्वास्थ्य विषय पर एकटा ऑनलाइन परिचर्चाक सफल आयोजन कएल गेल। एहि परिचर्चाक अध्यक्षता प्रसिद्ध हृदय रोग विशेषज्ञ डॉ. अभिषेक दास कएलनि। एहि सँ पहिले सेहो समिति द्वारा दाँतक स्वास्थ्य आ मधुमेह (डायबिटीज) पर सफल ऑनलाइन परिचर्चाक आयोजन कएल जा चुकल अछि।

एहि कार्यक्रममे कर्ण गोष्ठी कल्याण समिति, नोएडाक लगभग 50 सदस्य ऑनलाइन जुड़लाह। एहि परिचर्चामे दिल्ली-एनसीआरक अतिरिक्त विदेशमे रहनिहार सदस्यसभ सेहो उत्साहपूर्वक सहभागिता कएलनि।

डॉ. अभिषेक दास हृदयकेँ स्वस्थ रखबाक संबंधमे अनेक महत्वपूर्ण जानकारी देलनि। हुनकर अनुसार, स्वस्थ हृदय लेल संतुलित भोजन, नियमित व्यायाम, समय पर पर्याप्त नींद, मानसिक तनावसँ दूरी आ नशासँ परहेज अत्यंत आवश्यक अछि। ओ प्रतिदिन व्यायाम करबाक आ तेज चालिसँ पैदल चलबाक सलाह देलनि।

हुनका कहलनि जे उच्च रक्तचाप, मधुमेह अथवा हृदय रोग सँ पीड़ित लोकसभकेँ अपन आवश्यक दवा सदिखन संगमे रखबाक चाही आ समय पर सेवन करबाक चाही। ओ नियमित रूपसँ ब्लड प्रेशर, शुगर, कोलेस्ट्रॉल आ अन्य स्वास्थ्य जाँच करब सेहो आवश्यक बतौलनि। हुनकर अनुसार नियमित स्वास्थ्य परीक्षणसँ रोगक समय पर पहचान आ सफल उपचार संभव भऽ सकैत अछि।

परिचर्चाक दौरान डॉ. दास सहभागीसभक प्रश्नक उत्तर अत्यंत धैर्य, आत्मीयता आ सरल भाषामे देलनि, जाहिसँ सभ प्रतिभागी लाभान्वित भेलाह।

कार्यक्रममे संस्थाक अध्यक्ष डॉ. उग्र नारायण मल्लिक, संस्थापक सदस्य अमर दास, प्रसिद्ध व्यवसायी डॉ. दिनेश कुमार कर्ण, वरिष्ठ पत्रकार आलोक कुमार, नरेश दास सहित लगभग 50 सदस्य ऑनलाइन सहभागी बनि परिचर्चाकेँ सफल बनौलनि।

कार्यक्रमक समापन पर डॉ. उग्र नारायण मल्लिक आ अमर दास संयुक्त रूपसँ सभ प्रतिभागीकेँ धन्यवाद ज्ञापन कएलनि। ओ विशेष रूपसँ विशेषज्ञ डॉ. अभिषेक दास प्रति आभार व्यक्त करैत कहलनि जे एहि प्रकारक जागरूकता कार्यक्रम समाजक स्वास्थ्य सुरक्षा लेल अत्यंत उपयोगी अछि। धन्यवाद ज्ञापनक संग कार्यक्रमक समापन कएल गेल।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *