
वाराणसी: धर्म आ पर्यटनक वैश्विक केंद्र काशीमे आब एकटा आरो ऐतिहासिक उपलब्धि जुड़ए जा रहल अछि। वाराणसी नगर निगम 20 एकड़ भूमि पर भव्य ‘शिव थीम पार्क’ केर निर्माण योजना केँ स्वीकृति दऽ देलक अछि। एहि महत्वाकांक्षी परियोजनाक अनुमानित लागत करीब 100 करोड़ रुपैया बताओल गेल अछि।
एहि विश्वस्तरीय अर्बन पार्कक मुख्य आकर्षण 130 फीट ऊँच शिवलिंग हएत, जे दुनिया केर सभसँ ऊँच शिवलिंगक रूपमे स्थापित कएल जाएत। विशाल शिवलिंगक चारूकात आकर्षक पाथवे बनाओल जाएत आ पर्यटक सभ लेल अत्याधुनिक लेजर शो केर सेहो व्यवस्था रहत।
नगर आयुक्त हिमांशु नागपाल केर अनुसार, पार्कमे बच्चा आ पर्यटक सभक मनोरंजन लेल हाईटेक झूला, सुंदर गजीबो (विश्राम स्थल) आ एकटा विशाल फूड कोर्ट विकसित कएल जाएत। एहि परियोजनाक उद्देश्य धार्मिक पर्यटन केँ बढ़ावा देबाक संग-संग लोकसभ केँ आधुनिक मनोरंजनक सुविधा उपलब्ध करेनाइ अछि।
पार्क परिसरमे अत्याधुनिक तारामंडल (प्लानेटोरियम), सिटी पार्क आ ओपन आर्ट गैलरीक सेहो निर्माण कएल जाएत। एकरा अतिरिक्त एक विशेष संग्रहालय (म्यूजियम) बनाओल जाएत, जाहिमे काशीक पद्म पुरस्कार विजेता व्यक्तित्व सभ आ देशक महान विभूति सभक जीवन आ योगदान संबंधी विस्तृत जानकारी प्रदर्शित कएल जाएत।
‘शिव थीम पार्क’ केर निर्माण सँ काशीमे धार्मिक, सांस्कृतिक आ पर्यटन गतिविधि केँ नव आयाम भेटबाक संभावना अछि। स्थानीय प्रशासनक मानब अछि जे ई परियोजना देश-विदेशक पर्यटक सभ लेल आकर्षणक प्रमुख केंद्र बनत आ वाराणसीक वैश्विक पहचान केँ आरो सशक्त करत।