भोपाल : अंतरराष्ट्रीय योग दिवसक अवसर पर मध्यप्रदेशक मुख्यमंत्री डॉ. मोहन यादव राज्यक नागरिकसभकेँ योग अपनाबय आ स्वस्थ समाज निर्माणमे योगदान देबाक आह्वान केने छथि। मुख्यमंत्री 11 जून केँ जारी विशेष संदेशमे योगक महत्व पर प्रकाश देलनि आ 14 जून केँ आयोजित होमए वाला विशेष ऑनलाइन योग सत्रमे अधिक सँ अधिक लोकक सहभागिताक अपील केलनि।
मुख्यमंत्री कहलनि जे योग भारतक प्राचीन ज्ञान परंपराक अमूल्य धरोहर अछि, जाहि सं सम्पूर्ण विश्वकेँ स्वस्थ, संतुलित आ सकारात्मक जीवनक मार्ग भेटल अछि। हुनका अनुसार प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक नेतृत्वमे अंतरराष्ट्रीय योग दिवस एक वैश्विक जन-आन्दोलनक रूप धारण कएने अछि।
डॉ. यादव जानकारी देलनि जे भारत सरकारक आयुष मंत्रालय द्वारा अंतरराष्ट्रीय योग दिवस 2026 केर सातम काउंटडाउन कार्यक्रमक अंतर्गत 14 जूनक प्रातः 6:30 बजेसँ 7:35 बजे धरि विशेष ऑनलाइन योग सत्र आयोजित कएल जाएत। एहि कार्यक्रमक उद्देश्य अधिक सँ अधिक नागरिककेँ योगसँ जोड़ि स्वस्थ, जागरूक आ निरोग समाजक निर्माण करब अछि।
टोल-फ्री नम्बर पर मिस कॉल दऽ कए करू पंजीकरण
मुख्यमंत्री राज्यक युवा, महिला, वरिष्ठ नागरिक, विद्यार्थी, सरकारी कर्मचारी आ सामाजिक संगठनसभसँ आग्रह केलनि जे ओ सभ एहि ऑनलाइन सत्रमे बढ़ि-चढ़िकऽ भाग लिअथि आ योगकेँ अपन दैनिक जीवनक अभिन्न हिस्सा बनाउथि।
एहि कार्यक्रमसँ जुड़बाक लेल टोल-फ्री नम्बर 18003157008 जारी कएल गेल अछि। इच्छुक नागरिक एहि नम्बर पर मिस कॉल दऽ कए अपन पंजीकरण करा सकैत छथि।
“घर-घर योग, हर व्यक्ति निरोग” बनाउ जनआन्दोलन
मुख्यमंत्री कहलनि जे “घर-घर योग, हर व्यक्ति निरोग” केर संकल्पक संग सभ नागरिक योगकेँ जनआन्दोलन बनेबामे सहयोग करू। हुनका अनुसार योगक व्यापक प्रसारसँ स्वस्थ मध्यप्रदेश आ विकसित भारतक सपना साकार करबामे महत्वपूर्ण योगदान भेटत।
डॉ. यादव सभ नागरिकसँ अपील करैत कहलनि जे ओ सभ मिलिकऽ “हर घर योग” अभियानकेँ सफल बनाबथि आ गिनीज वर्ल्ड रिकॉर्ड स्थापित करबाक प्रयासमे सेहो सहभागी बनथि।
