इस्तीफा सँ एक दिन पहिने सेहो एक्शन मोड में मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, छपरा में विकास कार्यक निरीक्षण कएलनि

छपरा/सोनपुर। इस्तीफा के चर्चाक बीचो-बीच मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पूर्ण रूप सँ एक्शन मोड में देखाइ देलथि। अपन संभावित इस्तीफा सँ एक दिन पहिने सेहो ओ विकास कार्यक समीक्षा आ निरीक्षण के क्रम जारी रखलनि।

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अचानक हाजीपुर आ सोनपुर पहुँचलथि, जतय ओ छपरा जिला अंतर्गत बाकरपुर–मानिकपुर फोरलेन सड़क निर्माण कार्यक निरीक्षण कएलनि। संगहि ओ जेपी सेतु के समानांतर बनि रहल नव पुलक स्थल पर पहुँचि ओकरो जायजा लेलनि।

निरीक्षण के दौरान मुख्यमंत्री अधिकारी सभ सँ निर्माण कार्यक प्रगति के विस्तृत जानकारी लेलनि आ गुणवत्ता के समीक्षा कएलनि। ओ स्पष्ट निर्देश देलनि जे सभ विकास कार्य तय समय सीमा के भीतर आ उच्च गुणवत्ता के संग हर हाल में पूरा कएल जाय।

एहि अवसर पर मुख्यमंत्री संग वरिष्ठ अधिकारी सभक एक दल सेहो मौजूद छल, जे परियोजना सभक प्रगति आ तकनीकी पहलु के जानकारी देलक।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *