
दरभंगा। कौशल कुमार द्वारा जिला मे एकटा बड़ प्रशासनिक कार्रवाई करैत कुल 128 राजस्व कर्मचारी के निलंबित क’ देल गेल अछि। ई कार्रवाई 16 अप्रैल 2026 के कएल गेल, जाहि मे अलग-अलग अंचल कार्यालय मे पदस्थापित कर्मचारी सभ शामिल छथि।
जानकारी अनुसार, सदर दरभंगा, बहादुरपुर, बहेड़ी, हायाघाट, हनुमाननगर, सिंहवाड़ा, केवटी, जाले, मनीगाछी, तारडीह, बेनीपुर, अलीनगर, बिरौल, गौड़ाबौराम, किरतपुर, घनश्यामपुर, कुशेश्वरस्थान आ कुशेश्वरस्थान पूर्वी अंचल कार्यालय सभ मे कार्यरत कर्मचारी सभ पर कार्रवाई कएल गेल अछि।
जिलाधिकारी कौशल कुमार बतौलनि जे एहि सभ कर्मचारी द्वारा विभागीय निर्देश के अवहेलना कएल गेल आ 11 फरवरी 2026 स’ हड़ताल आ सामूहिक अवकाश पर जा क’ सरकारी काजकाज मे बाधा उत्पन्न कएल गेल। ई कृत्य बिहार सरकारी सेवक आचार नियमावली 1976 क’ नियम 3(1) क’ विरुद्ध मानल गेल अछि।
एहि आधार पर बिहार सरकारी सेवक (वर्गीकरण, नियंत्रण एवं अपील) नियमावली 2005 क’ तहत सभ 128 कर्मचारी के तत्काल प्रभाव स’ निलंबित कएल गेल अछि। संगहि सभ पर छह आरोप लगा क’ आरोप पत्र (प्रपत्र-क) तैयार करबाक निर्देश सेहो देल गेल अछि।
डीएम संबंधित अधिकारी सभ के निर्देश देलनि जे जल्द स’ जल्द विभागीय जांच पूरा क’ प्रतिवेदन जमा कएल जाए। ओ स्पष्ट कएलनि जे दोषी पाए गेल कर्मचारी सभ पर कठोर कार्रवाई करैत सेवा स’ बर्खास्त करबाक प्रक्रिया सेहो अपनायल जाएत।
एहि कार्रवाई स’ जिला प्रशासन मे हलचल मचि गेल अछि आ सरकारी व्यवस्था के सुचारू बनाब’ लेल ई एकटा कड़ा संदेश मानल जा रहल अछि।