
नई दिल्ली। दिल्ली विश्वविद्यालय के पीजीडीएवी कॉलेज के शारीरिक शिक्षा आओर खेल विज्ञान विभाग द्वारा आयोजित तेसर स्वामी दयानंद सरस्वती डे-नाइट टी20 क्रिकेट टूर्नामेंट के उद्घाटन मुकाबला में पीजीडीएवी ब्लू, कॉलेज ऑफ वोकेशनल स्टडीज के 32 रन से पराजित क’ कए शानदार शुरुआत केलक।
टूर्नामेंट के उद्घाटन दिल्ली विश्वविद्यालय के कॉलेज सभक डीन प्रो. बलराम पाणि कएलनि। ओहि अवसर पर ओ छात्र-छात्रा सभकेँ खेल सँ जुड़बाक लेल प्रेरित करैत कहलनि जे खेल न केवल शारीरिक बल्कि मानसिक स्वास्थ्य लेल सेहो बहुत लाभकारी अछि। ओ कहलनि जे जीवन में सफलता लेल एकाग्रता आ फिटनेस दुनू आवश्यक अछि।
प्रो. पाणि, पीजीडीएवी कॉलेज के प्राचार्य प्रो. दरविंदर कुमार आ शारीरिक शिक्षा एवं खेल विज्ञान विभाग के डॉ. पवन डबास आ डॉ. मुकेश कुमार के प्रयास के सराहना करैत ओ सभकेँ खेल सुविधा विकसित करबाक लेल बधाई देलनि। एहि अवसर पर कॉलेज के पूर्व छात्र आ डीडीसीए सदस्य श्री प्रमोद जैन आ दिल्ली सॉकर एसोसिएशन के वरिष्ठ उपाध्यक्ष श्री जगदीश मल्होत्रा के सेहो सम्मानित कएल गेल।
पहिने बल्लेबाजी करैत पीजीडीएवी ब्लू 20 ओवर में 9 विकेट पर 202 रन बनौलक। मंदीप 52 रन, अनुज 37 रन आ नासा 32 रन बनौलनि। जवाब में कॉलेज ऑफ वोकेशनल स्टडीज के टीम 19.3 ओवर में 170 रन पर ऑल आउट भ’ गेल। ऋषि आर्यन 63 रन के पारी खेललनि। पीजीडीएवी ब्लू दिस सँ ब्रायन झा 19 रन देइत 4 विकेट लेलनि, जखन कि गौरव आ दक्ष 2-2 विकेट हासिल कएलनि। ब्रायन झा के प्लेयर ऑफ द मैच चुनल गेल।
टूर्नामेंट के सभ मैच के सीधा प्रसारण ओडल्स प्रा. लि. द्वारा कएल जायत। कॉलेज प्रशासन बतौलक जे एहि वर्ष प्रतियोगिता के विस्तार करैत 16 टीम शामिल कएल गेल अछि आ कुल 27 डे-नाइट मुकाबला खेलल जायत, जेमें लीग, सेमीफाइनल आ फाइनल शामिल अछि। फाइनल मुकाबला 30 अप्रैल के आयोजित होयबाक संभावना अछि।