ककर माथ पर चढ़त ताज? ‘मामा’ के ‘पर्ची’ खोलत राज

पटना। बिहारक सियासत एखन भारी सस्पेंस स भरल निर्णायक मोड़ पर ठाढ़ अछि। नीतीश कुमार के मुख्यमंत्री पद छोड़बाक घोषणा के बाद राज्य मे सत्ता के पूरा समीकरण बदलि गेल अछि। आब नजर टिकि गेल अछि भाजपा पर—जे पहिल बेर बिहार मे अपन नेतृत्व मे सरकार बनाबय जा रहल अछि। राजनीतिक गलियारा स चौक-चौराहा धरि सभक एक्के जिज्ञासा अछि— के बनत बिहारक अगिला मुख्यमंत्री, ककरा नामक खुलत पर्ची?

केंद्रीय नेतृत्व एहि प्रक्रिया के निर्णायक मोड़ तक पहुंचाबय लेल शिवराज सिंह चौहान ‘मामा’ के पर्यवेक्षक बना क’ पटना पठौने अछि। मंगल दिन भाजपा विधायक दलक महत्वपूर्ण बैठक मे ओ ‘पर्ची’ निकालि बिहारक नव आ भाजपा के पहिल मुख्यमंत्री। के घोषणा करता।
इहो मानल जाइत अछि जे एनडीए विधायक दलक नेतृत्व सेहो भाजपा नेता करताह।

मंगलदिन होयत बिहारक नव मुख्यमंत्री के घोषणा

एहि बीच पटना मे राजनीतिक गहमागहमी चरम पर अछि। उपमुख्यमंत्री सम्राट चौधरी के निवास सत्ता के केंद्र बनि गेल अछि, जतय दिनभरि वरिष्ठ नेता सभक लगातार आवाजाही भ’ रहल अछि। जदयू के कार्यकारी अध्यक्ष संजय झा आ केंद्रीय मंत्री राजीव रंजन सिंह सेहो साझा रणनीति पर विचार-विमर्श कएने छथि। भाजपा प्रदेश अध्यक्ष संजय सरावगी सेहो गठबंधन स जुड़ल सब बात पर मंथन मे जुटल छथि।

सूत्रक अनुसार जे 14 अप्रैल के नीतीश कुमार अपन कैबिनेट के अंतिम बैठक के बाद राजभवन मे त्यागपत्र सौंपताह। एहि संग नव सरकारक रास्ता साफ भ’ जाएत। 15 अप्रैल के नव सरकारक शपथ ग्रहण कार्यक्रम प्रस्तावित अछि।

बिहार मे पहिल बेर भाजपा नेतृत्व मे सरकार बनबाक संभावना सँ कार्यकर्ता सभ मे जबरदस्त उत्साह अछि। पटना के सड़के पर एखन सँ जश्न जकाँ माहौल बनय लागल अछि। सभक नजरि मंगल दिन पर टिकल अछि—जखन ‘मामा’ शिवराज सिंह चौहानक ‘पर्ची’ सँ बिहारक नव मुख्यमंत्री के नाम सामने आएत।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *