
नई दिल्ली: नेशनल राइफल एसोसिएशन ऑफ इंडिया (NRAI) अपन 75म स्थापना दिवस के अवसर पर भव्य समारोह के आयोजन क’ ऐतिहासिक उपलब्धि दर्ज कएलक। एहि कार्यक्रम में केंद्रीय युवा कार्यक्रम आ खेल मंत्री डॉ. मनसुख मंडाविया मुख्य अतिथि के रूप में उपस्थित छलथि, संगहि कई वरिष्ठ अधिकारी आ नामी खिलाड़ी सेहो शामिल भेलाह।
एहि अवसर पर NRAI अपन 75 वर्ष के गौरवशाली यात्रा के प्रतीक विशेष स्मारक लोगो के अनावरण कएलक, जे भारतीय शूटिंग के अनुशासन, उत्कृष्टता आ उपलब्धि के दर्शाबैत अछि। कार्यक्रम में शूटिंग लीग ऑफ इंडिया (SLI) के लेकर सेहो उत्साह देखायल, जे भविष्य में खेल के लोकप्रिय बनाब’ में महत्वपूर्ण भूमिका निभाएत।
NRAI द्वारा एकटा बड़ा राष्ट्रव्यापी पहल के घोषणा कएल गेल, जाहि अंतर्गत 2028 ओलंपिक सँ पहिले 7,50,000 स्कूल आ कॉलेज के छात्र-छात्रा के ‘10-शॉट अनुभव’ के माध्यम सँ शूटिंग खेल सँ परिचित कराओल जाएत। ई कार्यक्रम केंद्रीय माध्यमिक शिक्षा बोर्ड, केंद्रीय विद्यालय संगठन, विश्वविद्यालय आ राज्य संघ सभ के सहयोग सँ देशभर में लागू होएत।
एहि समारोह में ‘NRAI Athlete App’ के सेहो लॉन्च कएल गेल, जे एक आधुनिक डिजिटल प्लेटफॉर्म अछि। एहि ऐप के माध्यम सँ खिलाड़ी के पंजीकरण, प्रदर्शन निगरानी, प्रमाणपत्र जारी करनाइ आ प्रतिभा विकास के समस्त प्रक्रिया एकहि जगह उपलब्ध होएत। एहि संग NRAI देश के पहिल पूर्ण रूप सँ डिजिटाइज्ड खेल महासंघ बनबाक दिशा में आगे बढ़ि रहल अछि।
कार्यक्रम के दौरान NRAI खेल मंत्री के 75 वर्ष के स्मृति चिन्ह सेहो प्रदान कएलक।
डॉ. मनसुख मंडाविया अपन संबोधन में कहलनि जे NRAI के 75 वर्ष के यात्रा प्रेरणादायक रहल अछि। ओ कहलनि जे एथलीट ऐप, 7.5 लाख युवा के जोड़बाक योजना आ शूटिंग लीग ऑफ इंडिया जेकाँ पहल भारतक खेल पारिस्थितिकी तंत्र के मजबूत करत। ओ नरेंद्र मोदी के नेतृत्व में भारत के खेल क्षेत्र में तेजी सँ विकास पर सेहो जोर देलनि।
NRAI के अध्यक्ष कालिकेश सिंह देव कहलनि जे ई उपलब्धि केवल अतीत के जश्न नहि, बल्कि भविष्य के दिशा तय करबाक अवसर अछि। महासचिव पवन कुमार सिंह सेहो कहलनि जे ई पहल प्रतिभा पहचान आ खिलाड़ी विकास के मजबूत आधार तैयार करत।
एहि कार्यक्रम में दोसर नामी खिलाड़ी सभ के संग स्टार पिस्टल शूटर मनु भाकर सेहो उपस्थित छलथि। ओ कहलनि जे NRAI के पहल युवा पीढ़ी के प्रेरित करत आ देश में शूटिंग खेल के मजबूत बनाओत।
कार्यक्रम में शूटिंग लीग ऑफ इंडिया के टीजर सेहो देखाओल गेल, जाहि में फ्रेंचाइजी आधारित आ टीम-आधारित प्रारूप के झलक देखायल गेल, जे खेल के आओर आकर्षक आ दर्शक-हितैषी बनाओत।
समृद्ध विरासत आ महत्वाकांक्षी भविष्य योजना के संग NRAI के 75म वर्ष समारोह भारतीय शूटिंग खेल के विकास दिशा में एक महत्वपूर्ण कदम मानल जा रहल अछि।