
नई दिल्ली। आर्यन शर्माक शानदार शतक आ अंकित कुमारक बेहतरीन ऑलराउंड प्रदर्शनक बदौलत पीजीडीएवी कॉलेज (प्रातः) तेसर स्वामी दयानंद सरस्वती टी20 डे-नाईट इंटर कॉलेज क्रिकेट टूर्नामेंट में ज़ाकिर हुसैन दिल्ली कॉलेज केँ 93 रन सँ पराजित कए दमदार जीत दर्ज कएलक।
पहिने बल्लेबाजी करैत पीजीडीएवी कॉलेज (प्रातः) निर्धारित 20 ओवर में 5 विकेट पर 272 रनक विशाल स्कोर ठाढ़ कएलक। टीमक लेल आर्यन शर्मा शानदार बल्लेबाजी करैत 131 रनक धमाकेदार शतकीय पारी खेललनि। ओतहि अंकित कुमार सेहो 55 रन जोड़ि टीमक स्कोर मजबूत बनौलनि।
जवाब में लक्ष्यक पीछा करए उतरल ज़ाकिर हुसैन दिल्ली कॉलेजक टीम 16.1 ओवर में 179 रन पर ऑलआउट भ’ गेल। टीमक लेल लोकेश बेनिवाल अकेले संघर्ष करैत 105 रनक बेहतरीन शतकीय पारी खेललनि, मुदा दोसर बल्लेबाज हुनकर साथ नहि दे सकलाह।
गेंदबाजी में अंकित कुमार जबरदस्त प्रदर्शन करैत 5 विकेट झटकला। हुनकर शानदार ऑलराउंड प्रदर्शन लेल हुनका मैन ऑफ द मैच पुरस्कार सँ सम्मानित कएल गेल।
दोसर लीग मैच में पीजीडीएवी ब्लूक शानदार जीत
टूर्नामेंटक एक अन्य लीग मुकाबला में पीजीडीएवी ब्लू पीजीडीएवी (सांध्य) केँ 91 रन सँ हरौलक।
पहिने बल्लेबाजी करैत पीजीडीएवी ब्लू 20 ओवर में 6 विकेट पर 240 रन बनौलनि। टीमक लेल राहुल बाग शानदार 92 रन, जबकि लक्ष्य बंसल 78 रनक उपयोगी पारी खेललनि।
गेंदबाजी में प्रबाल सचदेव शानदार प्रदर्शन करैत 57 रन द’ 4 विकेट लेलनि।
जवाब में पीजीडीएवी (सांध्य)क टीम 20 ओवर में 9 विकेट पर 149 रन तक सीमित रहि गेल। टीमक लेल लक्ष्य शर्मा 28 रन आ विनय दुबे 25 रन बनौलनि।
विजेता टीमक लेल ब्रायन झा 3 विकेट आ दक्ष 2 विकेट ल’ महत्वपूर्ण योगदान देलनि।
टूर्नामेंट में लगातार दमदार प्रदर्शन सँ पीजीडीएवीक टीम सभ अपन मजबूत दावेदारी पेश कएने अछि।