पटना। जदयूक कार्यकारी राष्ट्रीय अध्यक्ष संजय झा पार्टीक वरिष्ठ नेता आनंद मोहन द्वारा लगातार लगाओल जा रहल आरोप पर अपन प्रतिक्रिया देलनि अछि। बिहार तक न्यूज चैनलक एकटा पॉडकास्टमे बातचीत करैत संजय झा स्पष्ट रूपसँ कहलनि जे हुनका एहि बातसँ कोनो फर्क नहि पड़ैत जे कियो हुनका बारेमे की सोचैत अछि अथवा की कहैत अछि।
संजय झा कहलनि, “हमर नेता नीतीश कुमार छथि आ हुनका हमरा पर पूरा भरोसा अछि।” राजनीतिक गलियारामे हुनकर एहि बयानकेँ आनंद मोहनक आरोपक प्रत्यक्ष जवाबक रूपमे देखल जा रहल अछि।
दरअसल, किछु समयसँ आनंद मोहन विभिन्न सार्वजनिक मंचसभसँ बिना नाम लेने लगातार एकटा नेताक आलोचना करैत आबि रहल छथि। राजनीतिक विश्लेषकसभक मानब अछि जे हुनकर निशाना प्रायः संजय झा रहैत छथि। आनंद मोहन कई बेर आरोप लगा चुकल छथि जे जदयूमे किछु लोक भाजपा एजेंटक रूपमे काज कऽ रहल छथि।
एतबे नहि, आनंद मोहन ई प्रश्न सेहो उठा चुकल छथि जे जे व्यक्ति कखनो वार्ड सदस्यक चुनाव नहि जीतल, ओ राजनीति मे एतेक पैघ पहचान आ संपत्ति कोना अर्जित कएलक। संगहि, ओ जदयूमे टिकट वितरण आ मंत्री पदक बंटवाराकेँ लऽ कए सेहो सवाल ठाढ़ करैत रहल छथि। हुनकर आरोप रहल अछि जे पार्टीमे किछु लोक प्रभाव आ धनबलक आधार पर आगाँ बढ़ाओल गेल छथि।
हालाँकि, अपन ताजा बयानमे संजय झा ककरो नाम नहि लेलनि, मुदा स्पष्ट संकेत देलनि जे हुनकर प्राथमिकता केवल पार्टी आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक विश्वास अछि। ओ कहलनि जे राजनीतिक आरोप-प्रत्यारोपसँ बेसी महत्वपूर्ण पार्टी नेतृत्वक भरोसा होइत अछि।
राजनीतिक जानकारसभक मानब अछि जे संजय झाक एहि बयानक बाद जदयूक भीतर चलि रहल बयानबाजीकेँ नव मोड़ भेटि सकैत अछि। फिलहाल दुनू नेताक बीच चलि रहल ई जुबानी संघर्ष बिहारक राजनीति मे चर्चाक प्रमुख विषय बनल अछि।
