पीएम मोदीक पश्चिम बंगाल लेल पत्र, कहलनि—बीजेपी सरकारक शपथ ग्रहण उत्सव संगहि मनाएब

नई दिल्ली/कोलकाता: प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी पश्चिम बंगालक लोकसभक नाम एकटा भावुक पत्र लिखि चुनावी माहौल के बीच अपन जुड़ाव आ विश्वास व्यक्त कएलनि। दोसर चरणक चुनाव प्रचार समाप्ति पर लिखल एहि पत्र में ओ अपन जनसंपर्क के आध्यात्मिक रूप सँ उत्साहजनक आ राजनीतिक रूप सँ महत्वपूर्ण बतौलनि।

“पश्चिम बंगालक भाइ आ बहिन सभ” के संबोधित करैत प्रधानमंत्री कहलनि जे हर चुनाव लोकतंत्रक एक पवित्र उत्सव होइत अछि आ एहि में भाग लेब हुनका लेल सौभाग्यक बात अछि। ओ कहलनि जे प्रचार अभियान के दौरान हुनका राज्यक जनता समक्ष भारतीय जनता पार्टीक विकासक रोडमैप प्रस्तुत करबाक अवसर भेटल।

अपन अनुभव साझा करैत पीएम मोदी लिखलनि जे प्रचार के दौरान हुनका एक विशेष ऊर्जा के अनुभव भेल। भीषण गर्मी आ लगातार रैली सभ के बावजूद थकान महसूस नहि भेल। ओ रैली आ रोड शो के “तीर्थयात्रा जेकाँ” बतबैत कहलनि जे ई शक्ति हुनका मां काली के आशीर्वाद आ जनता के भक्ति सँ प्राप्त भेल।

प्रधानमंत्री एहि अनुभव के तुलना राम मंदिर अयोध्या में रामलला के प्राण प्रतिष्ठा के समय कएल गेल आध्यात्मिक साधना सँ सेहो कएलनि। ओ कहलनि जे बंगालक चुनाव प्रचार में सेहो ओहि तरहक आध्यात्मिक अनुभूति भेल।

पत्र में ओ जनता सँ भेटल स्नेह के विशेष उल्लेख करैत कहलनि जे रैली आ रोड शो के दौरान हुनका असंख्य संदेश, पत्र आ तस्वीर प्राप्त भेल, जेकरा ओ एखनहुँ पढ़ैत छथि आ जवाब दैत छथि। युवा, महिला, बुजुर्ग आ परिवार सभक एहि स्नेह के ओ अपन “सब सँ पैघ खजाना” बतौलनि।

राज्यक माहौल पर चर्चा करैत पीएम मोदी कहलनि जे बंगालक युवा, महिला, किसान आ मजदूर विकास आ नव अवसर चाहैत छथि। युवा आगाँ बढ़बाक लेल खुला मौका चाहैत छथि, जबकि महिला सुरक्षा आ स्वतंत्रता के आशा राखैत छथि।

प्रधानमंत्री कहलनि, “एखन बहुत डर भ’ चुकल अछि, आब लोक विश्वास चाहैत अछि आ बीजेपी दिस देखैत अछि।” ओ भरोसा जतौलनि जे राज्य में भाजपा सरकार बनला पर लोक सभ मिलि क’ शपथ ग्रहण समारोह के उत्सव रूप में मनाएत।

अंत में ओ दोहरौलनि जे पश्चिम बंगालक सेवा करनाइ आ ओकर सुरक्षा सुनिश्चित करनाइ हुनकर जिम्मेदारी अछि, आ ओ हर चुनौती के अवसर में बदलबाक लेल प्रतिबद्ध छथि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *