‘पवन खेड़ाक पेड़ा जरूर बनत’: असममे BJPक जीतक बाद CM हिमंताक तीखा हमला, कहलनि—आगाँ-आगाँ देखू की होएत

गुवाहाटी: असम विधानसभा चुनाव परिणाममे भाजपा 82 सीट पर जीत दर्ज कएने अछि। एहि जीतक संग भाजपा नेतृत्व वाला एनडीए गठबंधन लगातार तेसर बेर राज्यमे सरकार बनाबय जा रहल अछि। एहि बीच मुख्यमंत्री हिमंता बिस्वा सरमाक चुनाव नतीजा पर प्रतिक्रिया राजनीतिक हलकामे खूब चर्चा बटोरि रहल अछि।

मुख्यमंत्री हिमंता अपन पत्नी रिनिकी भुइयां सरमा पर कांग्रेस नेता पवन खेड़ा आ गौरव गोगोई द्वारा लगाओल आरोपसभ पर चुनाव परिणामक बाद तीखा तंज कसैत कहलनि, “पवन खेड़ा लेल हमर कमिटमेंट छल। आब आगाँ-आगाँ देखू की होएत। एक बेर हिमंता किछु कहि देत अछि तऽ फेर पाछाँ मुड़िकऽ नहि देखैत अछि।”

गौरव गोगोईक हार पर टिप्पणी करैत मुख्यमंत्री कहलनि, “पवन खेड़ाक जे आरोप असमक बेटी पर लगाओल गेल, यदि ओ गौरव गोगोई केँ संग बैसाकऽ प्रेस कॉन्फ्रेंस नहि करैत तऽ शायद ओ नहि हारितथि। ई आरोप हमर ऊपर नहि, असमक बेटी पर छल। असमक जनताए हुनका पेड़ा बना देलक, आब हमर ऊपर सेहो किछु जिम्मेदारी अछि जे हम पूरा करब।”

ज्ञात हो जे कांग्रेस नेता गौरव गोगोई जोरहाट सीट सँ चुनाव हारि गेल छथि। भाजपा उम्मीदवार हितेंद्र नाथ गोस्वामी हुनका 23,182 वोट सँ पराजित केलनि।

मुख्यमंत्री हिमंता चुनाव परिणामक माध्यम सँ कांग्रेस नेता पवन खेड़ा आ गौरव गोगोई केँ करारा जवाब देलनि। दुनू नेता हिमंताक पत्नी रिनिकी भुइयां सरमा पर विदेशी पासपोर्ट आ दुबईमे संपत्ति होएबाक आरोप लगौने छलाह, मुदा एहि आरोपक समर्थनमे कोनो ठोस प्रमाण प्रस्तुत नहि कऽ सकलाह। बादमे ई मामला सुप्रीम कोर्ट धरि पहुँचलक, जतय हालहि मे पवन खेड़ा केँ जमानत भेटल छल।

असममे भाजपा केर बंपर जीतक बाद मुख्यमंत्री हिमंता बिस्वा सरमा लगातार आक्रामक रुख अपनौने छथि। पवन खेड़ा संग जारी विवादमे ओ लगातार कार्रवाईक बात कहि रहल छथि। दरअसल, पवन खेड़ा रिनिकी भुइयां सरमा पर विदेशी पासपोर्ट रखबाक आ दुबईमे संपत्ति होएबाक दावा केने छलाह, जकरा गलत बतबैत मुख्यमंत्रीक पत्नी हुनका खिलाफ एफआईआर दर्ज करौने छथि।

एहि बीच Times Now पर देल एकटा इंटरव्यूमे हिमंताक टिप्पणी खूब वायरल भऽ रहल अछि। पत्रकार जखन हुनका सँ पूछलनि जे राहुल गांधी आ पवन खेड़ा लेल हुनकर संदेश की अछि, तऽ मुख्यमंत्री मुस्की दैत कहलनि, “अहाँ असम आउ, असम पुलिस सँ मिलू। अहाँकेँ नाश्तामे चाय-पेड़ा देल जाएत। पुलिसक सहयोग करू आ बताउ जे ई कागज अहाँकेँ कतऽ सँ भेटल।”

मुख्यमंत्रीक एहि बयानक बाद असमक राजनीति फेर गरमा गेल अछि आ कांग्रेस-भाजपा बीच आरोप-प्रत्यारोपक दौर तेज भऽ गेल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *