
कोलकाता। पश्चिम बंगालक नव गठित सरकारक कैबिनेट विस्तार मे 35 गोट नव मंत्री शपथ ग्रहण केलनि। कोलकाताक लोक भवन मे आयोजित समारोह मे राज्यपाल आर. एन. रवि नव मंत्री कें पद आ गोपनीयता केर शपथ दियौलनि। एहि शपथ ग्रहण समारोह मे, कलिता माझी एहन नाम अछि, जे सभक बीच चर्चा के विषय बनि गेल अछि। ओ राज्यमंत्री (स्वतंत्र प्रभार) केर रूप मे शपथ लेलनि अछि।
कलिता माझी केर जीवन संघर्ष, मेहनत आ आत्मविश्वासक एहन उदाहरण अछि, जे हजारो लोकक लेल प्रेरणाक स्रोत बनि सकैत अछि। किछु वर्ष पहिने धरि जे महिला दोसराक घर मे बर्तन मांजि आ घरेलू काज कऽ परिवार चलबैत छलीह, ओ आब राज्य सरकार मे मंत्री बनि गेल छथि।
कलिता माझी आर्थिक रूप सँ अत्यंत साधारण परिवार सँ आबैत छथि। जीविकोपार्जन लेल ओ लोकक घर मे घरेलू सहायिकाक रूप मे काज करैत छलीह। बर्तन मांजनाय, घर साफ करनाय आ अन्य घरेलू काज हुनकर परिवारक आय केर प्रमुख स्रोत छल। एहि काज सँ हुनका प्रतिमाह करीब 2,500 टाका आमदनी होइत छल।
विशेष बात ई अछि जे विधानसभा चुनाव प्रचारक दौरान सेहो ओ अपन रोजगर नहि छोड़लीह। चुनाव प्रचारक संग-संग ओ नियमित रूप सँ घरेलू काज सेहो करैत रहलीह, जे संघर्षपूर्ण जीवनक बीच राजनीति मे सक्रिय रहब हुनकर दृढ़ इच्छाशक्तिक परिचायक मानल जा रहल अछि।
कलिता माझी पश्चिम बंगालक औसग्राम विधानसभा क्षेत्र सँ विधायक छथि। विधानसभा चुनाव मे हुनका कुल 1,07,692 मत प्राप्त भेल, जखनकि तृणमूल कांग्रेसक उम्मीदवार श्यामा प्रसन्न लोहार के 95,535 मत भेटल। एहि तरहे कलिता माझी 12,692 मत के अंतर सँ विजय प्राप्त केलनि।
हुनकर जीत मात्र व्यक्तिगत उपलब्धि नहि छल, बल्कि औसग्राम विधानसभा क्षेत्र मे पहिल बेर भाजपा के जीतक इतिहास सेहो बनल। ई सीट अनुसूचित जाति आ अनुसूचित जनजाति वर्गक उम्मीदवार लेल आरक्षित अछि।
कलिता माझी 2021 केर विधानसभा चुनाव मे सेहो भाजपा उम्मीदवारक रूप मे चुनावी मैदान मे उतरल छलीह। ओहि चुनाव मे लगभग 12 हजार मत सँ हारि गेल छलीह, मुदा 88 हजारसँ बेसी मत प्राप्त कऽ पार्टी नेतृत्वक ध्यान आकर्षित केलनि।
भाजपा नेतृत्व हुनकर जनाधार आ मेहनति के देखैत दोसर बेर हुनका अवसर देलक। एहि बेर कलिता माझी पार्टी के निराश नहि केलीह आ शानदार जीत हासिल कऽ विधायक बनलीह।
लगभग दस वर्ष पहिने कलिता माझी भाजपा संग राजनीतिक यात्रा शुरू केने छलीह। बूथ स्तरक सामान्य कार्यकर्ता के रूप मे पार्टी सँ जुड़ल कलिता अपन नेतृत्व क्षमता स संगठन मे सक्रिय भूमिका निभबैत गेलीह। हुनकर लगन, समर्पण आ नेतृत्व क्षमताकेँ देखैत पार्टी लगातार हुनका जिम्मेदारी दैत रहल।
अंततः जमीनी कार्यकर्ता सँ विधायक आ विधायक सँ मंत्री धरिक सफर पूरा कऽ कलिता माझी, आब लाखो महिला लेल प्रेरणा बनि गेल छथि।