
मुंबई । भुवनेश्वरक चमक-दमक स’ भरल यादगार संझिया मे, जत’ सपना के आकार भेटल आ आत्मविश्वास स’ पहचान बनल, ओत’ गोवा क’ साध्वी सैल ‘मिस इंडिया वर्ल्ड 2026’ क’ ताज अपन नाम क’ इतिहास रच देलनि। KIIT University क’ भव्य मंच पर आयोजित एहि प्रतिष्ठित प्रतियोगिता क’ 61म संस्करण केवल सौंदर्य उत्सव नहि, बल्कि भारतीय नारी क’ शक्ति, विविधता आ उद्देश्य क’ प्रतीक बनि उभरल।
“Connecting the DOTS – Daughters of This Soil” थीम पर आधारित एहि आयोजन मे देशभर स’ आयल प्रतिभागी सभ अपन प्रतिभा, सोच आ व्यक्तित्व स’ मंच के जीवंत बना देलनि। रजनींदिनी पवार (महाराष्ट्र) फर्स्ट रनर-अप आ अद्वैता सेकेंड रनर-अप रहलि, जिनका आत्मविश्वास सभके प्रभावित कएलक।
नवंबर स’ शुरू भेल एहि यात्रा मे टैलेंट हंट स’ ल’ क’ मुंबई मे ग्रूमिंग सेशन तक प्रतिभागी सभ अपन कौशल के निखारैत नयका पहचान बनौलनि। ग्रैंड फिनाले मे सांस्कृतिक प्रस्तुति, संगीत आ ग्लैमरस परफॉर्मेंस स’ माहौल औरो खास बनि गेल।
ई आयोजन फेर स’ साबित क’ देलक जे आजुक भारतीय युवती सभ केवल सुंदरता तक सीमित नहि छथि, बल्कि आत्मबल, प्रतिभा आ स्पष्ट उद्देश्य संग वैश्विक मंच पर अपन मजबूत उपस्थिति दर्ज कराब’ लेल तैयार छथि।