
नई दिल्ली: Vietjet अपन नवका हनोई-प्राग उड़ान सेवाक घोषणा कएने अछि, जे एयरलाइनक वैश्विक विस्तारमे एकटा महत्वपूर्ण उपलब्धि मानल जा रहल अछि। एहि नव रूट सँ एशिया-यूरोप कनेक्टिविटी मजबूत होएत, संगहि भारत-वियतनाम आ समूचा एशिया-प्रशांत क्षेत्रमे हवाई संपर्कक दायरा सेहो विस्तारित होएत।
हनोई-प्राग रूट 10 अक्टूबर 2026 सँ शुरू होएत। एयरलाइनक Airbus A330 विमान कजाकिस्तानक Almaty होइत उड़ान भरत। प्रारंभमे सप्ताहमे दूटा रिटर्न फ्लाइट—मंगलवार आ शनिवार—संचालित कएल जाएत। उड़ान हनोईक Noi Bai International Airport सँ सुबह 8:25 बजे उड़त आ प्रागक Vaclav Havel Airport Prague पर साँझ 6:55 बजे पहुँचत। वापसी उड़ान प्राग सँ राति 8:55 बजे प्रस्थान करत आ दोसर दिन 4:20 बजे हनोई पहुँचत।
एहि विस्तारक अवसर पर वियतजेट 405 अमेरिकी डॉलर (लगभग 34 हजार रुपया) सँ शुरू होबऽ बला विशेष प्रचार किराया सेहो दे रहल अछि, जाहिमे सभटा टैक्स आ शुल्क शामिल अछि। यात्री बिजनेस आ स्काईबॉस क्लासमे यात्रा कऽ सकैत छथि, जतय प्रीमियम सेवा आ अतिरिक्त आराम उपलब्ध रहत। टिकट एयरलाइनक आधिकारिक वेबसाइट, मोबाइल ऐप आ अधिकृत एजेंटसभक माध्यम सँ उपलब्ध अछि।
वियतजेटक सीईओ Nguyen Thanh Son कहलनि, “वैश्विक विमानन समूह बनबाक दिशामे ई वियतजेट लेल महत्वपूर्ण उपलब्धि अछि। आधुनिक तकनीक, नई पीढ़ीक बेड़ा आ लगातार बढ़ैत नेटवर्कक बल पर हम जल्दिए यूरोपक आन गंतव्यसभ लेल सेहो उड़ान शुरू करब। वियतजेटक संग यूरोप आब पहिनेसँ बेसी नजदीक अछि।”
वियतजेट भारत आ वियतनामक बीच संपर्क मजबूत करबाक दिशा मे अग्रणी भूमिका निभा रहल अछि। एयरलाइन भारतक प्रमुख शहर—New Delhi, Mumbai, Ahmedabad, Hyderabad आ Bengaluru—केँ वियतनामक प्रमुख शहरसभ Hanoi आ Ho Chi Minh City सँ जोड़ैत अछि।
Prague, जे “स्वर्ण शहर” आ “सौ मीनारक शहर” नाम सँ प्रसिद्ध अछि, अपन ऐतिहासिक गोथिक आ बारोक वास्तुकला लेल दुनियाभरमे जानल जाइत अछि। दोसर दिस, हनोई वियतनामक सांस्कृतिक हृदय अछि, जतय सदियौँ पुरान विरासत आधुनिक विकासक संग मेल करैत अछि।
वियतजेटक संग यात्रा करनिहार यात्री आधुनिक विमानमे आरामदायक सफरक अनुभव करैत छथि। पेशेवर केबिन क्रू यात्राक दौरान विशेष सहयोग दैत छथि। विमानमे यात्री ताजा गरमागरम वियतनामी व्यंजन—जकरा मे फो आ बान्ह मी शामिल अछि—संगहि अंतरराष्ट्रीय भोजनक स्वाद सेहो लऽ सकैत छथि।