किआ इंडिया आ टेनिस प्रीमियर लीग बीच तीन वर्षक ऐतिहासिक साझेदारी

मुंबई : किआ इंडिया आ टेनिस प्रीमियर लीग (टीपीएल) 20 मई 2026 केँ तीन वर्षक ऐतिहासिक साझेदारीक घोषणा केलक। एहि समझौता अंतर्गत किआ इंडिया लीगक एक्सक्लूसिव स्पॉन्सर बनत। किआ इंडियाक वैश्विक टेनिस जुड़ाव आ भारत मे तेजी सँ बढ़ैत टीपीएलक खेल इकोसिस्टमक संग ई साझेदारी देश मे टेनिसक लोकप्रियता आ पहुंच बढ़ेबाक साझा दृष्टिकोण केँ दर्शाबैत अछि।

ई बहुवर्षीय समझौता भारतीय टेनिस लेल महत्वपूर्ण उपलब्धि मानल जा रहल अछि। एहि माध्यम सँ दुनियाक अग्रणी ऑटोमोबाइल ब्रांड आ भारतक घरेलू टेनिस आंदोलन एक मंच पर आयल अछि, जे देश मे टेनिसक भविष्य बदलबाक दिशा मे काज कऽ रहल अछि।

ऑस्ट्रेलियन ओपनक संग 25 वर्षक वैश्विक जुड़ाव रखनिहार किआ इंडिया लगातार युवा आ सहभागिता आधारित पहल पर जोर दैत रहल अछि। टीपीएल संग साझेदारी सेहो खेल संस्कृति केँ मजबूत करबाक किआ इंडियाक प्रतिबद्धता केँ दर्शबैत अछि।

अखिल भारतीय टेनिस संघक देखरेख मे सफलतापूर्वक सात सीजन पूरा कऽ चुकल टीपीएल केँ लिएंडर पेस, सानिया मिर्जा, सोनाली बेंद्रे बेहल आ रकुल प्रीत सिंह सन चर्चित हस्तीसभक समर्थन प्राप्त अछि। जियो हॉटस्टार पर प्रसारित होमय वाला ई लीग क्रिकेटक अतिरिक्त भारतक सबसे प्रभावशाली खेल लीगसभ मे शामिल भऽ गेल अछि।

एहि साझेदारी अंतर्गत किआ इंडिया टीपीएल ऐप आ लीगक आठो फ्रेंचाइजी टीमक फ्रंट-ऑफ-जर्सी स्पॉन्सर रहत। संगहि, जमीनी स्तर पर टेनिस प्रतिभा खोज आ टूर्नामेंट आयोजन लेल चलाओल जा रहल पहलसभ केँ सेहो मजबूती भेटत।

भारतीय टेनिस केँ नव ऊंचाई देबाक दिशा मे पैघ कदम

पिछला दू वर्ष मे टीपीएल अपन “रेस टू गोल्ड स्कॉलरशिप” पहलक माध्यम सँ देशभरि मे 80 सँ अधिक युवा टेनिस खिलाड़ीसभ केँ सहयोग देलक अछि। आब किआ इंडियाक सहयोग सँ आगामी वर्षसभ मे 120 सँ अधिक नव युवा खिलाड़ीसभ केँ प्रोत्साहन देबाक लक्ष्य राखल गेल अछि, जाहिसँ 2036 ओलंपिक लेल पदक जीतय योग्य प्रतिभा तैयार कएल जा सकय।

किआ इंडिया बिक्री आ मार्केटिंग विभागक वरिष्ठ उपाध्यक्ष अतुल सूद कहलनि जे खेल लोकसभ केँ प्रेरित करबाक शक्ति रखैत अछि। हुनक अनुसार टेनिसक युवा ऊर्जा आ वैश्विक पहचान किआ ब्रांडक सोच सँ मेल खाइत अछि।

टीपीएलक सह-संस्थापक कुणाल ठाकुर कहलनि जे किआ इंडिया सन वैश्विक ब्रांडक समर्थन सँ भारतीय टेनिसक भविष्य केँ मजबूत आधार भेटत। सह-संस्थापक मृणाल जैन सेहो कहलनि जे ई साझेदारी सिर्फ स्पॉन्सरशिप नहि, बल्कि भारत लेल चैंपियन तैयार करबाक साझा मिशन अछि।

18 बेरक ग्रैंड स्लैम विजेता लिएंडर पेस कहलनि जे किआ इंडिया सन साझेदारी भारतीय टेनिसक भविष्य लेल अत्यंत महत्वपूर्ण अछि, कारण ई दीर्घकालिक दृष्टिकोण आ मजबूत समर्थन प्रदान करैत अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *