गोल्डेन ग्रोथ फंडक पहिल AIF ₹101 करोड़ AUM संग बंद, दक्षिण दिल्ली रियल एस्टेट पर विशेष फोकस

नई दिल्ली। गोल्डेन ग्रोथ फंड (GGF) अपन पहिल वैकल्पिक निवेश कोष (AIF) केर अंतिम क्लोजिंगक घोषणा कएने अछि। फंडक एसेट अंडर मैनेजमेंट (AUM) आब ₹101 करोड़ तक पहुँचि गेल अछि। ई कैटेगरी-II रियल एस्टेट केंद्रित AIF अछि, जे मुख्य रूप सँ दक्षिण दिल्लीक प्रीमियम रियल एस्टेट बाजारमे निवेश करैत अछि।

सितंबर 2024 मे लॉन्च भेल एहि फंडक नेट एसेट वैल्यू (NAV) मार्च 2026 धरि बढ़िकऽ 160.9 भऽ गेल अछि, जे 61 प्रतिशतक वृद्धि दर्शबैत अछि। फंड लॉन्चक बाद सँ 47 प्रतिशत वार्षिकीकृत आंतरिक प्रतिफल दर (IRR) देबाक दावा कएने अछि।

GGF दक्षिण दिल्लीक तीनटा उच्च-विकास क्षेत्र—आनंद निकेतन, नीति बाग आ गुलमोहर पार्क—मे रणनीतिक निवेश कएने अछि। फंडक उद्देश्य भारतक सभसँ प्रतिष्ठित आवासीय इलाकासभमे रियल एस्टेटक संभावनाकेँ उजागर करब अछि।

फंडक अनुसार आनंद निकेतन परियोजना लगभग 80 प्रतिशत पूरा भऽ चुकल अछि आ वित्तीय वर्ष 2026-27 केर तेसर तिमाही मे एकर डिलीवरीक संभावना अछि। नीति बाग परियोजना 20 प्रतिशत पूरा भऽ चुकल अछि आ वित्तीय वर्ष 2027-28 केर तेसर तिमाही मे पूरा होएबाक उम्मीद अछि। गुलमोहर पार्क स्थित तेसर परियोजना हालहि मे अधिग्रहित कएल गेल अछि आ निर्माण कार्य जारी अछि।

150 सँ अधिक परियोजनासभ सफलतापूर्वक पूरा कऽ चुकल सूचीबद्ध रियल एस्टेट डेवलपर Grovy India Ltd. एहि तीनू परियोजनाक विकास साझेदार अछि।

गोल्डेन ग्रोथ फंडक मुख्य कार्यकारी अधिकारी (CEO) अंकुर जालान कहलनि, “हमर पहिल फंडक अंतिम क्लोजिंग गोल्डेन ग्रोथ फंड लेल एकटा महत्वपूर्ण उपलब्धि अछि। ई संस्थागत रियल एस्टेट निवेशमे निवेशकसभक बढ़ैत विश्वास आ क्षेत्रमे बेहतर अवसर चिन्हित करबाक हमर क्षमताकेँ दर्शबैत अछि। दक्षिण दिल्लीक रियल एस्टेट बाजारमे मांग लगातार बढ़ि रहल अछि, जाहि कारण AIF सभ आगामी विकास चक्रमे महत्वपूर्ण भूमिका निभाएत।”

फंडक नवीनतम रिपोर्टक अनुसार 2026 केर पहिल तिमाहीमे दक्षिण दिल्लीक लक्जरी फ्लोरक मूल्य मे साल-दर-साल 32 प्रतिशत धरि वृद्धि दर्ज कएल गेल। रिपोर्ट मे कहल गेल अछि जे कैटेगरी-B कॉलोनीसभ मूल्य वृद्धिक मामिलामे कैटेगरी-A कॉलोनीसभ सँ आगाँ रहल। कैटेगरी-B मे 23 सँ 32 प्रतिशत धरि वृद्धि दर्ज भेल, जखनकि कैटेगरी-A मे ई वृद्धि 14 सँ 22 प्रतिशतक बीच रहल।

मूल्यक हिसाब सँ कैटेगरी-A कॉलोनीसभमे फ्लोरक कीमत ₹19.5 करोड़ सँ ₹40 करोड़ धरि अछि, जबकि कैटेगरी-B कॉलोनीसभमे ई ₹10.65 करोड़ सँ ₹16.5 करोड़ धरि अछि।

अंकुर जालान कहलनि, “GGF एकमात्र एहन फंड अछि जे विशेष रूप सँ दक्षिण दिल्ली रियल एस्टेट बाजार पर केंद्रित अछि। एहि कारण हमरा दक्षिण दिल्ली आ लुटियंस दिल्लीक विशाल रियल एस्टेट परिदृश्यमे ‘फर्स्ट-मूवर एडवांटेज’ प्राप्त अछि।”

दिल्ली नगर निगम (MCD) दिल्लीक कॉलोनीसभकेँ A सँ H धरि आठ श्रेणीमे विभाजित कएने अछि। सर्किल रेट, संपत्ति कर आ रजिस्ट्री शुल्क एहि श्रेणीसभक आधार पर निर्धारित होइत अछि। कैटेगरी-A आ B मे शामिल प्रमुख इलाकासभमे आनंद निकेतन, वसंत विहार, शांति निकेतन, चाणक्यपुरी, गोल्फ लिंक, जोर बाग, सुंदर नगर, महारानी बाग, ग्रीन पार्क, गुलमोहर पार्क आ नीति बाग आदि शामिल छथि।

 

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *