
नोएडा। Škoda Auto India अपन नवीन ब्रांड अभियान “G.O.A.T – ग्रेटेस्ट ऑन अ ट्रैक” केर शुरुआत कए अपन परफॉर्मेंस आधारित पहचान केँ आरो मजबूत कएलक अछि। एहि अभियानक माध्यमसँ कंपनी “ग्रेटेस्ट ऑफ ऑल टाइम” केँ नव अर्थ दैत “ग्रेटेस्ट ऑन अ ट्रैक” केर रूपमे प्रस्तुत कएने अछि।
कंपनी एकटा सर्किट पर एकहि निर्माता केर कारसभ द्वारा सभसँ तेज मल्टी-कार रिले केर रिकॉर्ड स्थापित कए इंडिया बुक ऑफ रिकॉर्ड्स आ एशिया बुक ऑफ रिकॉर्ड्समे अपन नाम दर्ज करौलक अछि। ई उपलब्धि स्कोडाक मोटरस्पोर्ट विरासत आ वाहनसभक दमदार डायनेमिक क्षमताकेँ दर्शबैत अछि।
130 वर्षक वैश्विक विरासत आ 125 वर्षक मोटरस्पोर्ट इतिहासक संग स्कोडा अपन रेसिंग परंपराकेँ नव ऊँचाइ दऽ रहल अछि। कंपनी अपन प्रतिष्ठित आरएस (रैली स्पोर्ट) बैजक आधा सदीसँ बेसीक यात्रा केँ सेहो मना रहल अछि। एहि नव अभियानमे स्कोडा अपन वाहन श्रृंखलाक दमदार प्रदर्शन, नियंत्रण क्षमता आ सुरक्षा विशेषतापर विशेष जोर देने अछि।
अभियानक संबंधमे स्कोडा ऑटो इंडियाक ब्रांड डायरेक्टर Ashish Gupta कहलनि जे प्रत्येक स्कोडा कारकेँ उच्चतम स्तरक परफॉर्मेंस, सटीक नियंत्रण आ बेहतरीन ड्राइविंग अनुभव लेल इंजीनियर कएल जाइत अछि। हुनकर अनुसार मोटरस्पोर्ट डीएनए स्कोडाक लेल केवल पहचान नहि, बल्कि प्रत्येक वाहनक स्वाभाविक हिस्सा अछि।
ओ कहलनि जे G.O.A.T अभियानक उद्देश्य स्कोडाक वास्तविक ड्राइविंग अनुभव—जइमे स्टीयरिंगक सटीकता, चेसिस संतुलन, भरोसेमंद ब्रेकिंग आ चालक तथा मशीनक गहिर संबंध शामिल अछि—ताहि केँ सामने आननाइ अछि।
रिकॉर्ड बनौलक स्कोडाक दमदार बेड़ा
इंडिया बुक ऑफ रिकॉर्ड्स आ एशिया बुक ऑफ रिकॉर्ड्सक देखरेखमे कोयंबटूर स्थित CoASTT ट्रैक पर स्कोडा पाँचटा कारक बेड़ाक संग “सभसँ तेज मल्टी-कार रिले” केर रिकॉर्ड बनौलक। एहि दौरान कुल 12 मिनट 30.97 सेकेंडक समय दर्ज कएल गेल।
स्कोडाक एहि बेड़ामे काइलैक 1.0 AT, कुशाक 1.5 DSG, स्लाविया 1.5 DSG, ऑक्टाविया RS आ कोडियाक सिलेक्शन L&K शामिल छल। पाँच ड्राइवर लगातार रिले प्रारूपमे कारसभ चलबैत पिट-लेन बदलाव सहित ई रिकॉर्ड कायम कएलनि।
4 मीटरसँ छोट काइलैक 2:31.6 मिनटक समय दर्ज कएलक, जखन कि कुशाक एसयूवी 2:29.7 आ स्लाविया सेडान 2:27.63 मिनटमे सर्किट पूरा कएलक। लक्जरी फीचर आ 4×4 क्षमता युक्त कोडियाक सिलेक्शन L&K 2:26.34 मिनटक समय दर्ज कएलक। सभसँ तेज प्रदर्शन Škoda Octavia RS कएलक, जाहि 3.8 किलोमीटर लंबा ट्रैक 2:10.85 मिनटमे पूरा कएलक।
कंपनीक अनुसार एहि उपलब्धिसँ स्कोडा वाहनसभक फुर्ती, नियंत्रण क्षमता, दमदार ब्रेकिंग आ सुरक्षा विशेषताक प्रमाण भेटल अछि। विभिन्न वैश्विक परीक्षणसभमे फाइव-स्टार सुरक्षा रेटिंग प्राप्त उत्पाद पोर्टफोलियोक संग स्कोडा ऑटो इंडिया अपनाकेँ देशक सभसँ तेज आ सुरक्षित वाहन बेड़ाक रूपमे स्थापित कएने अछि।