
दरभंगा। जयनगर आ पटना बीच प्रतिदिन चलयवाली वातानुकूलित ‘नमो भारत’ रैपिड ट्रेन पछिला किछु दिनसँ अपन निर्धारित समय पर नहि चलि रहल अछि। एकर बदला एकटा मेमू ट्रेन चलाओल जा रहल अछि। एहि बीच स्टेशन पर होयवला घोषणामे एखनो ‘नमो भारत’ ट्रेनक नाम लेल जा रहल अछि। सूत्रक अनुसार, ई व्यवस्था अगिला सूचना धरि लागू रहत।
रेलवे द्वारा ट्रेनक स्वरूप बदलल गेलाक बावजूद यात्राक लेल पहुंचल यात्री अपनाकेँ ठगायल महसूस क’ रहल छथि। रविदिन पटना स्टेशन पर यात्री तखन अचंभित रहि गेलाह, जखन घोषणा तऽ ‘नमो भारत’ ट्रेनक भेल, मुदा टिकट ‘एक्सप्रेस’ ट्रेनक देल गेल। ई यात्रीक लेल पहिल झटका छल।
जखन यात्री प्लेटफॉर्म संख्या-8 पर पहुंचलाह, तखन हुनका सभकेँ दोसर झटका लागल। ओतय ‘नमो भारत’क बदला मेमू ट्रेन ठाढ़ छल।
इंद्र भूषण रमन, अरविंदर प्रसाद, रणजीत राय, प्रभात रंजन आ अभिषेक सहित कतेको यात्री अपन नाराजगी जाहिर करैत कहलनि जे ओ सभ ठगायल महसूस क’ रहल छथि। यात्री ‘नमो भारत’ ट्रेनक सुविधा आ आरामक ध्यानमे राखि दरभंगा धरि यात्राक योजना बनौने छलाह, मुदा आब हुनका सभकेँ मेमू ट्रेनसँ यात्रा करय पड़ि रहल अछि।
यात्री सभ आरोप लगौलनि जे रेलवे द्वारा ट्रेन बदलल गेलाक सूचना सेहो सार्वजनिक नहि कयल गेल। अचानक ट्रेनक स्वरूप बदलि देल गेलासँ यात्री सभकेँ असुविधा आ परेशानीक सामना करय पड़ि रहल अछि।