
चेन्नई/तिरुपत्तूर: तमिलनाडु के तिरुपत्तूर विधानसभा सीट पर लोकतंत्र के असली ताकत के एक अजगूत उदाहरण देखबा मे आयल अछि। टीवीके (तमिलगा वेत्रि कड़गम) के उम्मीदवार सीनिवसा सेतुपति मात्र एक वोट स डीएमके के दिग्गज नेता आ पूर्व मंत्री केआर पेरियाकरुप्पन के हरा देलनि।
ई परिणाम आब पूरा देश मे चर्चा के विषय बनि गेल अछि। एहि सीट पर टीवीके उम्मीदवार के 83,375 वोट, जखनकि डीएमके प्रत्याशी के 83,374 वोट भेटल जाहि स जीत-हार के फैसला बस एक वोट स भ’ गेल।
आनंद महिंद्रा के संदेश: ‘एक वोट के ताकत’
देशक प्रसिद्ध उद्योगपति आनंद महिंद्रा एहि परिणाम पर प्रतिक्रिया दैत सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म ‘एक्स’ पर लिखलखिन जे हाल के चुनाव परिणाम चौंकाबय बला रहल, मुदा तिरुपत्तूर के नतीजा सबस अद्भुत अछि।
ओ कहलखिन जे 1.66 लाख स बेसी वोट पड़ला के बावजूद जीत-हार के फैसला सिर्फ एक वोट स भ’ गेल। ओ एकरा लोकतंत्र के सबसे पैघ पाठ बतौलनि आ कहला जे एहि उदाहरण के स्कूल सभ मे देखाओल जाए, जाहि स बच्चा सभ बुझि सकैथ जे भविष्य मे हुनकर “एक वोट” कतेक महत्वपूर्ण भ’ सकैत छन्हि।
विजय के सरकार बनेबाक दावा
तमिलनाडु विधानसभा चुनाव मेऔ अभिनेता विजय के पार्टी टीवीके शानदार प्रदर्शन करैत 108 सीट जीतलक आ राज्य के सबसे पैघ दल बनि क’ उभरल अछि।
एहि बीच विजय राज्यपाल राजेंद्र विश्वनाथ आर्लेकर स भेंट क’ सरकार बनाबय के दावा केलनि। हुनका संग पार्टी के वरिष्ठ नेता—‘बुस्सी’ आनंद, केए सेंगोट्टैयन, आधव अर्जुन आ अरुण राज सेहो उपस्थित रहलाह।
सरकार बनाब’ के समीकरण
टीवीके भले सबसे पैघ पार्टी बनल अछि, मुदा सरकार बनाब’ लेल जरूरी 118 सीट स किछु दूर अछि। चुनाव परिणाम के बाद पार्टी विधायक सभ एकमत स विजय के विधायक दल के नेता चुनलनि, जाहि स सरकार बनाब’ के दावा पेश करबाक रास्ता साफ भ’ गेल।
तिरुपत्तूर के ई नतीजा साफ संदेश दैत अछि जे लोकतंत्र मे एक-एक वोट के कीमत अमूल्य होइत अछि।