PM मोदीक ‘Melodi’ गिफ्ट सँ मचल धूम, Blinkit-Instamart सँ गायब भेल मेलोडी टॉफी

नई दिल्ली। Narendra Modi द्वारा रोम यात्रा दौरान इटलीक प्रधानमंत्री Giorgia Meloni केँ पार्ले मेलोडी टॉफीक पैकेट उपहार देलाक बाद भारतमे एहि टॉफीक मांग अचानक बहुत तेज भऽ गेल अछि। देशक अनेक भागमे Blinkit, InstamartZepto जेकाँ ऑनलाइन प्लेटफॉर्म पर मेलोडी टॉफी “आउट ऑफ स्टॉक” भऽ गेल अछि।

प्रधानमंत्री मोदीक एहि खास कूटनीतिक उपहारक बाद सोशल मीडियापर “Melodi” शब्द तेजी सँ वायरल भऽ गेल। दरअसल “Melodi” शब्द मोदी आ मेलोनीक नामक मेल सँ बनल लोकप्रिय हैशटैग अछि। सोशल मीडिया पर लगातार बनैत मीम्स आ पोस्टक कारण लोकसभ मेलोडी टॉफी खरीदए लेल ऑनलाइन ऐपसभ पर टूटि पड़लाह।

ब्लिंकइट अपन सोशल मीडिया पोस्टमे कहलनि जे ऐप पर मेलोडी टॉफीक सर्च अचानक बहुत बढ़ि गेल अछि। 100 रुपैयावला मेलोडी पैकेट जल्दी समाप्त भऽ गेल, जबकि किछु ठाम केवल 50 रुपैयावला पैकेट उपलब्ध रहल। एहि घटनाक बाद ई साधारण टॉफी पॉप-कल्चर आ ई-कॉमर्स ट्रेंडक हिस्सा बनि गेल अछि।

Giorgia Meloni सेहो सोशल मीडिया पर वीडियो साझा कऽ प्रधानमंत्री मोदीक धन्यवाद ज्ञापन कएलनि। वीडियोमे ओ कहैत सुनाइ पड़ैत छथि, “प्रधानमंत्री मोदी हमरा लेल बहुत नीक टॉफी आनने छथि — मेलोडी।” एहि पोस्टक संग ओ “उपहार लेल धन्यवाद” सेहो लिखलनि। वीडियोमे प्रधानमंत्री मोदी सेहो मुस्कुराइत देखाइ पड़ैत छथि।

ज्ञात हो जे “Melodi” हैशटैग पहिल बेर वर्ष 2023 मे दुबईमे आयोजित COP-28 सम्मेलन दौरान चर्चा मे आयल छल, जखन मेलोनी प्रधानमंत्री मोदीक संग फोटो साझा कऽ “#Melodi” लिखने रहथि। तकर बाद दुनियाभरमे ई सोशल मीडिया पर वायरल भऽ गेल।

प्रधानमंत्री मोदी 15 सँ 20 मई धरि संयुक्त अरब अमीरात, नीदरलैंड, स्वीडन, नॉर्वे आ इटलीक पाँच देशक यात्रा पर छथि। एहि यात्राक अंतिम चरणमे ओ रोम पहुँचल छथि, जतय भारत आ इटलीक बीच व्यापार, रक्षा, स्वच्छ ऊर्जा आ प्रौद्योगिकी क्षेत्रमे सहयोग बढ़ेबाक विषय पर चर्चा भऽ रहल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *