तेहरान/वॉशिंगटन। अमेरिका आ ईरानक बीच एक बेर फेर तनाव चरम पर पहुँचि गेल अछि। अमेरिकी सेनाक द्वारा दक्षिणी ईरानमे स्थित कएकटा सैन्य ठिकानापर हवाई हमला कएल गेल अछि। प्रारंभिक रिपोर्टक अनुसार एहि हमलामे कतेको लोक घायल भेल छथि। हमलाक दौरान केशम (Qeshm) आ खार्ग (Kharg) द्वीप पर जोरदार विस्फोटक आवाज सुनल गेल, जाहिसँ समूचा इलाकामे तनावपूर्ण वातावरण बनि गेल अछि।
अमेरिकी सेंट्रल कमांड कएलक हमलाक पुष्टि
अमेरिकी सेंट्रल कमांड (CENTCOM) एहि हवाई हमलाक पुष्टि करैत कहलनि जे ई कार्रवाई अंतरराष्ट्रीय समुद्री मार्गसँ गुजरैत नागरिक वाणिज्यिक जहाजसभ पर ईरान द्वारा कएल गेल कथित हमलाक जवाबमे कएल गेल अछि।
अमेरिकाक दावा अछि जे होर्मुज़ जलडमरूमध्य (Strait of Hormuz) सँ गुजरैत तीनटा वाणिज्यिक जहाजकेँ निशाना बनाओल गेल, जे युद्धविराम (सीजफायर)क भावना विरुद्ध छल। अमेरिकी अधिकारीसभक अनुसार, एकर जवाबमे ईरानक सैन्य ठिकानासभ पर सटीक हवाई हमला कएल गेल।
ईरान देलक कड़ा जवाबक चेतावनी
हमलाक बाद ईरानक विदेश मंत्रालय तीखी प्रतिक्रिया दैत अमेरिकापर समझौताक उल्लंघनक आरोप लगौलक। मंत्रालयक कहब अछि जे अमेरिकी कार्रवाई अंतरराष्ट्रीय नियमसभक विरुद्ध अछि आ एकर गंभीर परिणाम होयत।
ईरान स्पष्ट कएलक जे ओ अपन राष्ट्रीय संप्रभुता, सुरक्षा आ राष्ट्रीय हितक रक्षा लेल आवश्यक सभ कदम उठेबामे कोनो तरहक हिचकिचाहट नहि करत आ कोनो बाहरी दबावक आगाँ नहि झुकत।
पश्चिम एशियामे तनाव बढ़बाक आशंका
रक्षा विशेषज्ञसभक मानब अछि जे एहि ताजा सैन्य कार्रवाईक बाद पश्चिम एशियामे तनाव आरो बढ़ि सकैत अछि। विशेष रूपसँ होर्मुज़ जलडमरूमध्य विश्वक ऊर्जा आपूर्तिक प्रमुख समुद्री मार्ग मानल जाइत अछि। एहन परिस्थितिमे एहि क्षेत्रमे सैन्य टकराव बढ़लासँ अंतरराष्ट्रीय व्यापार आ कच्चा तेलक वैश्विक बाजार पर सेहो व्यापक प्रभाव पड़ि सकैत अछि।
फिलहाल दुनू देशक अगिला रणनीतिक कदम पर दुनियाभरिक नजर टिकल अछि। अंतरराष्ट्रीय समुदाय सेहो पूरा घटनाक्रम पर पैघ सतर्कताक संग नजरि राखि रहल अछि।
