सिक्किम विश्वविद्यालयक दीक्षांत समारोहमे शामिल भेली भारतक राष्ट्रपति

गंगटोक: भारतक राष्ट्रपति श्रीमती द्रौपदी मुर्मू गंगटोकमे आयोजित सिक्किम विश्वविद्यालयक सातम दीक्षांत समारोहमे शामिल भेली। एहि अवसर पर अपन संबोधनमे राष्ट्रपति कहलनि जे सिक्किम अपन प्राकृतिक सौंदर्य, समृद्ध संस्कृति आ जैव विविधताक कारण एक विशिष्ट पहचान रखैत अछि। हुनका कहलनि जे हिमालयक प्रमुख चोटी कंचनजंगा सिक्किम लेल प्रकृतिक अमूल्य उपहार अछि, जाहि कें ओतुक्का लोक देवी स्वरूप मानि पूजा करैत छथि।

राष्ट्रपति कहलनि जे वर्ष 2016 मे सिक्किम भारतक पहिल पूर्ण रूपेण जैविक राज्य बनल, जे समूचा देश लेल गर्वक विषय अछि। हुनका खुशी व्यक्त करैत कहलनि जे सिक्किम ई साबित कएने अछि जे विकास आ प्रकृतिक संरक्षण एक संग संभव अछि। प्लास्टिकक उपयोग पर नियंत्रण, जैविक खेतीक प्रोत्साहन आ पर्यावरण संरक्षणक दिशा मे उठाओल गेल कदम देश लेल प्रेरणादायक अछि।

हुनका कहलनि जे सिक्किमक पूर्ण साक्षर राज्य बननाय ऐतिहासिक उपलब्धि अछि। एहि लेल राष्ट्रपति सिक्किम सरकार आ राज्यक लोकसभ केँ बधाई देलनि।

राष्ट्रपति अपन संबोधनमे कहलनि जे देशक समावेशी विकास लेल पूर्वोत्तर क्षेत्रक प्रगति अत्यंत आवश्यक अछि। एहि क्षेत्रक युवामे अपार प्रतिभा अछि। हुनका विद्यार्थीसभ सँ आग्रह कयलनि जे ओ आपसमे संपर्क बनाए राखथि आ राष्ट्रीय विकासमे योगदान देबाक सामूहिक भावना संग आगाँ बढ़थि।

राष्ट्रपति कहलनि जे सिक्किम विश्वविद्यालयक दायित्व केवल शिक्षा आ शोध तक सीमित नहि अछि, बल्कि एहि क्षेत्रक भाषा, संस्कृति आ पर्यावरणक संरक्षण सेहो महत्वपूर्ण जिम्मेदारी अछि। हुनका विश्वविद्यालय द्वारा आधुनिक शिक्षाक संग स्थानीय परंपरा, पर्यावरणीय चेतना आ सामाजिक दायित्वक समावेश पर प्रसन्नता व्यक्त कयलनि।

विद्यार्थीसभ केँ संबोधित करैत राष्ट्रपति कहलनि जे शिक्षा आत्मनिर्भरता प्राप्त करबाक सबसँ महत्वपूर्ण साधन अछि। हुनका विद्यार्थीसभ सँ आह्वान कयलनि जे ओ अपन क्षमता पर भरोसा राखथि, सहयोगक भावना संग कार्य करथि आ अपन अल्पकालिक आ दीर्घकालिक लक्ष्य निर्धारित कए सफलताक दिशा मे आगाँ बढ़थि।

हुनका विश्वास जतौलनि जे वर्ष 2047 धरि भारत केँ विकसित राष्ट्र बनेबाक लक्ष्य प्राप्त करय मे युवाशक्ति महत्वपूर्ण भूमिका निभौत।

एहि सँ पहिले राष्ट्रपति गंगटोकमे महिलासभ लेल शुरू कयल गेल ‘आमा दिदी बहिनी बस सेवा’ आ ठोस अपशिष्ट प्रबंधन लेल संसाधन पुनर्प्राप्ति वाहन केँ हरी झंडी देखाकए रवाना कयलनि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *