पुरी जगन्नाथ रथयात्रा 2026 : प्रधानमंत्री मोदी आ राष्ट्रपति मुर्मू देलनि शुभकामना, लाखौं श्रद्धालु लेल कड़ा सुरक्षा व्यवस्था

पुरी/नई दिल्ली। विश्वप्रसिद्ध भगवान श्रीजगन्नाथक वार्षिक रथयात्रा आइ सँ ओडिशाक पुरीमे भक्ति, आस्था आ उल्लासक संग आरम्भ भ’ गेल अछि। एहि पावन अवसर पर प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आ राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मू देश-विदेशक सभ श्रद्धालुसँ हार्दिक शुभकामना देने छथि। दुनू नेता रथयात्राकेँ भारतक समृद्ध आध्यात्मिक, सांस्कृतिक आ सामाजिक एकताक प्रतीक बतौलनि।

प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी सोशल मीडिया मंच ‘एक्स’ पर लिखलनि जे रथयात्रा भारतक सनातन आध्यात्मिक आ सांस्कृतिक विरासतकेँ विश्वभरिमे गौरवान्वित करैत अछि। हुनका अनुसार ई परंपरा पीढ़ी-दर-पीढ़ी लोकसभकेँ विनम्रता, सामूहिक सहभागिता आ निःस्वार्थ सेवाक प्रेरणा दैत आबि रहल अछि। प्रधानमंत्री महाप्रभु जगन्नाथसँ सभ लोकक उत्तम स्वास्थ्य, सुख-समृद्धि आ समाजमे एकताक भाव सुदृढ़ होअय लेल प्रार्थना कएलनि।

राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मू सेहो रथयात्राक अवसर पर देश-विदेशक सभ भक्तकेँ शुभकामना दैत कहलनि जे ई पावन पर्व भक्त आ भगवानक मिलनक अनुपम प्रतीक अछि। हुनका अनुसार मान्यता अछि जे एहि अवसर पर महाप्रभु श्रीजगन्नाथ, चक्रराज सुदर्शन, ज्येष्ठ भ्राता बलभद्र आ भगिनी सुभद्रा रथ पर आरूढ़ भ’ अपन भक्तसभक दर्शन देबाक लेल मंदिरसँ बाहर निकलैत छथि। राष्ट्रपति देशमे सुख, शांति आ समृद्धिक कामना सेहो कएलनि।

रथयात्रासँ पूर्व भगवान जगन्नाथक नंदीघोष, भगवान बलभद्रक तालध्वज आ माता सुभद्राक दर्पदलन रथ पुरी जगन्नाथ मंदिरक सिंहद्वार पर पूर्ण रूपसँ सजि क’ तैयार कएल गेल अछि। एहि ऐतिहासिक धार्मिक उत्सवमे प्रतिवर्ष लाखौं श्रद्धालु सहभागी होइत छथि।

रथयात्राकेँ शांतिपूर्ण आ सुरक्षित ढंगसँ सम्पन्न करबाक लेल पुरीमे बहुस्तरीय सुरक्षा व्यवस्था लागू कएल गेल अछि। राज्य पुलिसक अतिरिक्त केंद्रीय सशस्त्र बल, एनएसजी कमांडो, भारतीय नौसेना आ भारतीय तटरक्षक बलक जवान तैनात छथि। भीड़ नियंत्रण, यातायात व्यवस्था आ आपातकालीन सेवापर विशेष ध्यान देल जा रहल अछि।

एडीजी (कानून-व्यवस्था) संजय कुमारक अनुसार लगभग 13 हजार पुलिसकर्मी, केंद्रीय सशस्त्र बलक 15 कंपनी, एनएसजी कमांडो आ समुद्र तट पर 500 लाइफगार्ड तैनात कएल गेल छथि।

ओडिशा पुलिस प्रमुख वाई. बी. खुरानियाक अनुसार सुरक्षा लेल जमीन, जल आ आकाश—तीनों स्तर पर निगरानी व्यवस्था कएल गेल अछि। ड्रोन आ एंटी-ड्रोन प्रणालीक माध्यमसँ हवाई सुरक्षा सुनिश्चित कएल जा रहल अछि, जबकि भारतीय नौसेना, तटरक्षक बल आ ओडिशा पुलिसक समुद्री इकाइ समुद्र तट पर लगातार गश्त करि रहल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *