
काठमांडू। बालेन शाहक नेतृत्व में नेपाल सरकार अपन नई विदेश नीति के घोषणा कए देलक अछि। एहि नीति में “नेपाल सबसे पहले: नेपाली सबसे पहले” के सिद्धांत के केंद्र में राखल गेल अछि। सरकार के अनुसार, ई नीति देशक संप्रभुता, आर्थिक विकास आ संतुलित कूटनीति पर आधारित अछि।
बफर’ सँ ‘ब्रिज’ बनए के रणनीति
नई विदेश नीति में नेपाल के अब सिर्फ भारत आ चीन के बीच “बफर स्टेट” नहि, बल्कि एक “ब्रिज” यानी सेतु के रूप में विकसित करए के लक्ष्य राखल गेल अछि। ई सेतु आर्थिक साझेदारी, कनेक्टिविटी आ त्रिपक्षीय सहयोग के माध्यम से क्षेत्रीय विकास के बढ़ावा देत।
भारत-चीन संग संतुलित संबंध
नेपाल स्पष्ट कएलक अछि जे ओ भारत आ चीन दुनू संग “समान दूरी आ समान निकटता” के नीति अपनायत। सरकार के मानब अछि जे संतुलित संबंधे नेपाल के दीर्घकालिक हित में अछि।
सैन्य गठबंधन सँ दूरी
नई नीति के सबसे महत्वपूर्ण बिंदु ई अछि जे नेपाल कोनो सैन्य गठबंधन में शामिल नहि होएत।
सरकार कहलक अछि जे हथियार के दौड़ आ सैन्य गुटबंदी शांति के बाधक अछि, एहिलेल स्वतंत्र आ गुटनिरपेक्ष विदेश नीति अपनायल जाएत।
कूटनीति में ‘परफॉर्मेंस ऑडिट
नेपाल अपन राजनयिक मिशन के कार्य के आकलन लेल “वैज्ञानिक प्रदर्शन लेखापरीक्षा” प्रणाली लागू करत।
एहि सँ विदेश नीति के प्रभावशीलता के मापन कएल जाएत।
वैश्विक मुद्दा पर नेपालक आवाज
नई नीति में जलवायु परिवर्तन, हिमालय संरक्षण आ स्थलरुद्ध देश (Landlocked nations) के मुद्दा पर अंतरराष्ट्रीय मंच पर मजबूत आवाज उठाबए पर जोर देल गेल अछि।
संगहि, विदेश में काम कए रहल नेपाली नागरिक के सुरक्षा आ अधिकार के सुनिश्चित करए पर विशेष ध्यान देल जाएत।
Balen Shah के ई नई विदेश नीति नेपाल के क्षेत्रीय राजनीति में एक नया पहचान देबाक कोशिश अछि—
* जहां देश ‘बीच में फंसल’ नहि, बल्कि ‘जोड़ए वाला’ शक्ति बनए
* अपन हित के केंद्र में राखि संतुलित, स्वतंत्र कूटनीति अपनाबए