
नई दिल्ली | Federation of Automobile Dealers Associations (FADA) द्वारा नई दिल्ली स्थित Le Méridien New Delhi मे ‘व्यापार दिल्ली’ क’ तृतीय संस्करण आ 22म व्यापार कॉन्क्लेव सफलतापूर्वक आयोजित कएल गेल। “व्यापार दिल्ली – बदलती दिल्ली” थीम पर आयोजित एहि उच्चस्तरीय मंच पर 200 स’ अधिक ऑटोमोबाइल डीलर, नीति-निर्माता, OEM नेतृत्व, वित्तीय संस्था आ विशेषज्ञ सभ सहभागी भेलाह।
कार्यक्रमक मुख्य उद्देश्य राष्ट्रीय राजधानी क्षेत्र मे ऑटोमोबाइल रिटेल आ मोबिलिटी क’ भविष्य पर गंभीर विचार-विमर्श करब छल। एहि अवसर पर दिल्ली सरकारक मुख्यमंत्री रेखा गुप्ता मुख्य अतिथि के रूप मे उपस्थित भ’ ऑटो रिटेल सेक्टरक आर्थिक विकास, रोजगार सृजन, सड़क सुरक्षा आ पर्यावरण संरक्षण मे भूमिका पर जोर देलनि।
नीति आ कारोबार पर गहन चर्चा
कॉन्क्लेव मे दिल्ली इलेक्ट्रिक व्हीकल नीति, वाहन स्क्रैपेज नीति, MCD द्वारा वर्कशॉप वर्गीकरण आ कंपनसेशन सेस जेकाँ महत्वपूर्ण मुद्दा पर विस्तार स’ चर्चा भेल। कंपनसेशन सेस पर विशेष तकनीकी सत्र आयोजित क’ डीलर सभ के कानूनी स्पष्टता देल गेल।
‘बदलती दिल्ली’ आ मोबिलिटी क’ नया दृष्टिकोण
“बदलती दिल्ली: यात्री मोबिलिटी क’ पुनर्कल्पना” विषय पर आयोजित पैनल चर्चा मे JSW Motors, Volvo Cars India, Honda Cars India, BYD India आ Nissan Motor India क’ वरिष्ठ अधिकारी सहभागी भेलाह। एहि चर्चा मे उपभोक्ता अपेक्षा, इलेक्ट्रिफिकेशन आ भविष्य क’ रणनीति पर विचार कएल गेल।
मुख्यमंत्री रेखा गुप्ता कहलनि जे “स्वच्छ, हरित आ स्मार्ट दिल्ली” बनाब’ लेल सरकार प्रतिबद्ध अछि। अगिला चारि वर्ष मे ₹4,000 करोड़ क’ निवेश स’ इलेक्ट्रिक व्हीकल नीति के मजबूती देल जा रहल अछि।
उद्योग आ रोजगार पर प्रभाव
FADA अध्यक्ष C. S. Vigneshwar कहलनि जे हरित परिवर्तन संग-संग 17,500 स’ अधिक पेशेवरक आजीविका के सुरक्षित राखब जरूरी अछि।
FADA दिल्ली चेयरपर्सन Shailendra Luthra जानकारी देलनि जे मार्च 2026 तक दिल्ली मे वाहन बिक्री मे 17% वृद्धि दर्ज भेल अछि, आ लगभग 8 लाख वार्षिक रजिस्ट्रेशन भ’ रहल अछि। 550 डीलरशिप मिलि 55,000 स’ अधिक लोक के रोजगार द’ रहल अछि आ लगभग ₹7,150 करोड़ राजस्व योगदान क’ रहल अछि।
भविष्य क’ दिशा
कॉन्क्लेव मे AI-आधारित डीलरशिप, आधुनिक रिटेल प्रथाएँ, सड़क सुरक्षा अभियान आ EV चार्जिंग इंफ्रास्ट्रक्चर पर सेहो जोर देल गेल। FADA द्वारा 150 सार्वजनिक चार्जिंग स्टेशन स्थापित करबाक प्रस्ताव सेहो देल गेल।
‘व्यापार दिल्ली 2026’ एक बेर फेर साबित क’ देलक जे नीति, उद्योग आ समाजक समन्वय स’ ही दिल्ली के टिकाऊ, सुरक्षित आ समावेशी मोबिलिटी मॉडल बनाओल जा सकैत अछि।