
नई दिल्ली। कर्ण कायस्थ महासभा द्वारा 12 अप्रैल क’ अपन द्विवर्षीय संगठनात्मक नियुक्ति क’ दोसर चरण क’ घोषणा कएल गेल। ई जानकारी देत आशीष नीरज (राष्ट्रीय अध्यक्ष) आ आनंद दास (राष्ट्रीय महासचिव) कहलनि जे सभ नियुक्ति तत्काल प्रभाव स’ लागू होएत आ वर्तमान कोर कमिटी क’ कार्यकाल धरि मान्य रहत।
ओहि नियुक्ति प्रक्रिया मे पहिल चरण क’ अतिरिक्त विभिन्न विभागीय समिति आ 6 राज्य समिति क’ गठन कएल गेल अछि। संगठन क’ तरफ स’ कहल गेल जे शेष राज्य समिति आ विभागीय समिति क’ घोषणा तीसरा चरण मे जल्दिये कएल जाएत।
नव घोषणा अनुसार महिला मंच क’ संयोजिका पद पर रीना चौधरी के नियुक्त कएल गेल अछि। नेपाल कमिटी क’ संयोजक रूप मे राजेश कुमार दास, छात्रवृत्ति कमिटी क’ संयोजिका रूप मे विभा लाल, विभूति संकलन कमिटी क’ संयोजक रूप मे कुंदन कर्ण, प्रिंट मीडिया कमिटी क’ संयोजक रूप मे सुधीर कुमार आ सोशल मीडिया कमिटी क’ संयोजक रूप मे आशीष नीरज के जिम्मेदारी देल गेल अछि।
राज्य समिति स्तर पर तेलंगाना/आंध्र प्रदेश क’ अध्यक्ष रूप मे ज्योति प्रकाश लाल, पश्चिम बंगाल क’ अध्यक्ष रूप मे ज्ञानेंद्र भाष्कर, तमिलनाडु क’ अध्यक्ष रूप मे शैलेश कुमार, महाराष्ट्र क’ अध्यक्ष रूप मे आनंद केशव आ गुजरात क’ अध्यक्ष रूप मे प्रसून रंजन के दायित्व सौंपल गेल अछि।
राष्ट्रीय अध्यक्ष आशीष नीरज सभ नव-नियुक्त पदाधिकारी सभ के शुभकामना दैत कहलनि जे एहि वर्ष होए बला चतुर्थ कर्ण कुम्भ के सफल बनाब’ लेल सभ मिलि क’ पूरा उत्साह स’ काज करथि।