शैक्षिक सुधार, महिला सुरक्षा, शहरी माओवाद आ वैश्विक चुनौतिपर चार महत्वपूर्ण प्रस्ताव पारित

नई दिल्ली। अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषद (अभाविप) केर तीन दिवसीय राष्ट्रीय कार्यकारी परिषद् बैठक 29 सँ 31 मई धरि ओडिशाक भुवनेश्वरमे सफलतापूर्वक सम्पन्न भेल। एहि बैठकमे देशक विभिन्न प्रांतसभ सँ 400 सँ अधिक प्रतिनिधि कार्यकर्तासभ भाग लेलनि। बैठकमे शिक्षा, राष्ट्रीय सुरक्षा, युवा शक्ति, सामाजिक-आर्थिक विषय आ समसामयिक चुनौतीसभ पर विस्तृत मंथन कएल गेल।

बैठकमे शैक्षिक सुधार, महिला सुरक्षा, शहरी माओवाद आ वैश्विक परिदृश्य सँ जुड़ल चार महत्वपूर्ण प्रस्ताव पारित कएल गेल। एकरा अतिरिक्त पश्चिम बंगालक जनताक लोकतांत्रिक मूल्यमे आस्था जताबैत विशेष प्रस्ताव सेहो स्वीकृत कएल गेल।

चार प्रमुख प्रस्ताव पारित

राष्ट्रीय कार्यकारी परिषद् बैठकमे निम्न प्रस्ताव पारित भेल—

  1. शैक्षिक सुधारसभक प्रभावी क्रियान्वयन सुनिश्चित करबाक आवश्यकता।
  2. सशस्त्र माओवादक समाप्तिकालमे शहरी माओवादक बढ़ैत चुनौती।
  3. संगठित आपराधिक आ जिहादी मानसिकता द्वारा महिलासभक शोषण तथा मतांतरण पर रोक लगाबयक मांग।
  4. वैश्विक अनिश्चितताक दौरमे संयम, सजगता आ राष्ट्रीय एकजुटताक संकल्प।

देशव्यापी अभियान चलाओत अभाविप

बैठकमे निर्णय लेल गेल जे आगामी वर्षमे अभाविप देशभरिमे विभिन्न विशेष अभियान चलाओत। एहि अन्तर्गत ‘SEIL@60’, ‘स्क्रीन टाइम टू एक्टिविटी टाइम’, ‘वंदे मातरम् केर 150 वर्ष’, आपातकाल निषेधक 50 वर्ष, श्री गुरु तेगबहादुर बलिदान दिवसक 350 वर्षसंत रविदासजीक 650म प्राकट्योत्सव अवसर पर राष्ट्रव्यापी कार्यक्रम आयोजित कएल जाएत।

परीक्षा प्रणालीमे पारदर्शिताक मांग

अभाविप नीट-यूजी, सीयूईटी, सीबीएसई आ अन्य राष्ट्रीय परीक्षामे सामने आएल विसंगति आ पेपर लीक घटनाक प्रति गम्भीर चिंता व्यक्त कएलक। परिषद् दोषी लोकनिक विरुद्ध कठोर कार्रवाई, राष्ट्रीय परीक्षा एजेंसी (NTA) केर निष्पक्ष जांच आ पूर्णतः पारदर्शी तथा विश्वसनीय परीक्षा प्रणाली विकसित करबाक मांग कएलक।

त्रिभाषा नीति केर स्वागत

बैठकमे सीबीएसई द्वारा त्रिभाषा नीति लागू करबाक निर्णयक स्वागत कएल गेल। अभाविप भारतीय भाषासभमे परीक्षा आयोजित करबाक आवश्यकता पर बल दैत कहलनि जे एहि सँ राष्ट्रीय शिक्षा नीति केर उद्देश्य पूरा होएत आ भाषायी विविधताक संरक्षण सेहो संभव होएत।

शोध आ नवाचारमे निवेश बढ़ाबयक अपील

अभाविप उद्योग जगत सँ विश्वविद्यालय आ उच्च शिक्षण संस्थानसभमे शोध, नवाचार, पेटेंट आ भारतीय भाषामे अकादमिक लेखनकेँ प्रोत्साहन देबाक लेल निवेश बढ़ाबयक आह्वान कएलक। संगठन शीघ्र उद्योग जगतक प्रतिनिधिसभ सँ संवाद स्थापित करत।

कुलपति पद शीघ्र भरबाक मांग

बैठकमे देशक 13 सँ अधिक केंद्रीय विश्वविद्यालयसभमे रिक्त कुलपति पद पर शीघ्र नियुक्तिक मांग दोहराओल गेल। अभाविप कहलनि जे कुलपति पद रिक्त रहबाक कारणेँ विश्वविद्यालयक शैक्षणिक आ प्रशासनिक व्यवस्था प्रभावित भ’ रहल अछि।

युवाशक्ति राष्ट्र निर्माणमे निभाओत अग्रणी भूमिका

अभाविपक राष्ट्रीय महामंत्री डॉ. वीरेन्द्र सिंह सोलंकी कहलनि जे परिषद् द्वारा पारित प्रस्ताव विकसित, सुरक्षित, आत्मनिर्भर आ समृद्ध भारतक निर्माण प्रति संगठनक व्यापक दृष्टिकोणकेँ दर्शबैत अछि। हुनकर अनुसार भारतक युवा वर्ग अपन प्रतिभा, नवाचार क्षमता आ राष्ट्रीय चेतनाक बल पर राष्ट्र निर्माणमे अग्रणी भूमिका निभाएत।

बैठकक समापन राष्ट्रहित, सामाजिक उत्तरदायित्व आ शिक्षा सुधार प्रति नव संकल्पक संग कएल गेल।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *