
मुंबई। बॉलीवुडमे अपन पहचान बनब सदिखन सँ एकटा लंबा आ चुनौतीपूर्ण यात्रा मानल जाइत रहल अछि, मुदा रेवती महुरकर एहि धारणा केँ बदलैत बहुत कम समयमे सफलता केर एहन उदाहरण प्रस्तुत केने छथि, जाहि सँ पूरा फिल्म उद्योगक ध्यान हुनका दिस आकर्षित भेल अछि। कोनो फिल्मी पृष्ठभूमि अथवा गॉडफादर बिना, रेवती अपन प्रतिभा, कठिन परिश्रम आ समर्पणक बल पर ओ मुकाम हासिल कएने छथि, जतय पहुँचबाक सपना हजारों कलाकार देखैत छथि।
एक वर्ष सँ कम समयमे रेवती म्यूजिक इंडस्ट्री आ मनोरंजन जगतमे अपन सशक्त पहचान बना लेने छथि। गुरु रंधावा संग हुनकर सुपरहिट म्यूजिक वीडियो ‘कत्ल’ 100 मिलियन सँ अधिक व्यूज प्राप्त कएने अछि, जखनकि हार्डी संधू संग ‘तेवर’ हुनकर लोकप्रियता केँ नव ऊँचाइ पर पहुँचा देने अछि। एकर अतिरिक्त प्रसिद्ध कोरियोग्राफर बॉस्को मार्टिस संग ‘मस्कारा’ आ जी सिने अवॉर्ड्स केर मंच पर अक्षय कुमार तथा सिद्धांत चतुर्वेदी सन कलाकार सभक संग प्रस्तुति देबाक बाद रेवती इंडस्ट्रीक सर्वाधिक चर्चित नव प्रतिभासभमे शामिल भ’ गेल छथि।
भारत, जापान, फिलीपींस आ अमेरिका सन विभिन्न देशक सांस्कृतिक अनुभव आ कथक सँ लऽ कऽ हिप-हॉप तथा स्ट्रीट जैज़ धरि केर नृत्य प्रशिक्षण रेवती केँ एक विशिष्ट पहचान प्रदान करैत अछि। हुनकर बहुआयामी प्रतिभा आ मंचीय प्रस्तुति दर्शकसभक बीच विशेष लोकप्रिय भ’ रहल अछि।
वर्तमान समयमे जखन बॉलीवुड नव प्रतिभासभ केँ खुलल मन सँ स्वीकार क’ रहल अछि, तखन रेवती महुरकर एहि परिवर्तनक एक प्रेरणादायक उदाहरण बनि उभरल छथि। आगामी समयमे हुनकर कतेको नव प्रोजेक्ट दर्शकसभक समक्ष आएब जा रहल अछि। एहन स्थितिमे ई कहल गलत नहि होयत जे रेवतीक यात्रा एखन शुरूए भेल अछि, मुदा सफलता पहिनेसँ हुनकर कदम चूम’ लागल अछि।