तारिक खानक ‘बॉम्बे स्टोरी’क कान्स फिल्म फेस्टिवलमे भव्य प्रीमियर

कान्स (फ्रांस) / मुंबई : अंतरराष्ट्रीय स्तर पर प्रसिद्ध फिल्म निर्माता तारिक खान फेर एक बेर भारतीय सिनेमाक नाम वैश्विक मंच पर रोशन केने छथि। हुनकर नव फीचर फिल्म ‘बॉम्बे स्टोरी’, जाहिमे अभिनेत्री मौनी रॉय मुख्य भूमिकामे छथि, केर प्रतिष्ठित कान्स फिल्म फेस्टिवल मे भव्य वर्ल्ड प्रीमियर भेल।

महान उर्दू साहित्यकार सआदत हसन मंटो केर कहानिसँ प्रेरित ‘बॉम्बे स्टोरी’ मुंबईक जीवन, मानवीय संवेदना आ समाजक यथार्थक अत्यंत संवेदनशील प्रस्तुति करैत अछि। फिल्मक स्क्रीनिंगक दौरान थिएटर दर्शकसँ खचाखच भरल रहल आ अंतरराष्ट्रीय दर्शक तथा फिल्म समीक्षक सभ फिल्मक भरपूर सराहना केलनि।

फिल्ममे मौनी रॉय संग अनुप्रिया गोयनका, राहत शाह, कस्मी, शोएब निकाश शाह सहित आन कलाकार महत्वपूर्ण भूमिकामे छथि। सभ कलाकारक अभिनयक विशेष रूपसँ प्रशंसा कयल गेल।

प्रीमियरक बाद तारिक खान कहलनि, “मंटो केर कहानियाँ सदिखन जीवित रहत, किएक तँ ओ मानव जीवनक सच्चाईकेँ बिना कोनो आडंबरक प्रस्तुत करैत अछि। ‘बॉम्बे स्टोरी’क माध्यमसँ हम हुनकर विरासतकेँ सिनेमाक जरिए दुनियाभरि तक पहुँचाबयक प्रयास केने छी।”

तारिक खान अपन गंभीर विषय आधारित फिल्म सभ लेल जानल जाइ छथि। हुनकर फिल्म सभ समाज, संस्कृति, पहचान आ मानवीय संघर्ष जेकाँ विषयकेँ प्रमुखतासँ प्रस्तुत करैत अछि।

एहि सँ पहिले हुनकर फिल्म ‘आइडेंटिटी कार्ड’, ‘लिहाफ – द क्विल्ट’ आ ‘साइड ए साइड बी’ सेहो अनेक अंतरराष्ट्रीय फिल्म समारोहमे सम्मान आ प्रशंसा प्राप्त कए चुकल अछि।

जम्मू-कश्मीर सँ संबंध रखनिहार तारिक खान भारतीय संस्कृति आ क्षेत्रीय कथाकेँ वैश्विक मंच धरि पहुँचाबय पर गर्व महसूस करैत छथि। कान्समे ‘बॉम्बे स्टोरी’क सफलता हुनका अंतरराष्ट्रीय सिनेमा जगतमै फेर सँ मजबूत पहचान देलक अछि।

कान्स प्रीमियरक बाद आब एहि फिल्मक व्यापक रिलीज आ अंतरराष्ट्रीय वितरणक संभावना काफी बढ़ि गेल अछि। ‘तारिक खान प्रोडक्शंस’, मुंबई स्थित एकटा चर्चित प्रोडक्शन हाउस, सार्थक आ भावनात्मक फिल्म निर्माण लेल प्रसिद्ध अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *