मुंबई। फेस्टिव सीजनमे जतय चारू दिस खुशियाली आ उत्सवक माहौल अछि, ओतहि OTT प्लेटफॉर्म JioHotstar पर रिलीज हॉरर-सस्पेंस फिल्म ‘झाड़फूँक’ दर्शकसभकेँ डर आ रोमांचक नव अनुभव द’ रहल अछि। 30 अक्टूबरकेँ रिलीज भेल ई फिल्म तेजीसँ दर्शकसभक बीच लोकप्रिय भ’ रहल अछि। फिल्म अंग्रेजी सिनेमा ‘Obsession’क बाद प्लेटफॉर्म पर दोसर स्थान पर ट्रेंड क’ रहल अछि, जखनकि हिंदी फिल्मसभक श्रेणीमे एकर स्थान पहिल अछि।
फिल्मक रहस्यमय जंगल, डरावन घर, अजीबोगरीब घटना आ अचानक सामने अबैत खौफनाक मोड़ दर्शकसभकेँ लगातार रोमांचित करैत अछि। काफी समय बाद भारतीय OTT पर एहन हॉरर कहानी देखय लेल भेटि रहल अछि, जे अपन डरावन दृश्य आ रहस्यक माध्यमसँ दर्शकसभकेँ अंत तक बांधने रखैत अछि। सोशल मीडिया पर सेहो फिल्मक डरावन दृश्य आ रोमांचक प्रसंगक चर्चा भ’ रहल अछि।
फिल्मक मुख्य आकर्षण यशपाल शर्मा आ सुम्बुल तौकीर खानक प्रभावशाली अभिनय अछि। दुनू कलाकार अपन दमदार अदाकारीसँ कहानीमे जान भरने छथि। ओतहि पद्मिनी कोल्हापुरेक प्रभावशाली स्क्रीन प्रेजेंस, हर्ष राजपूत आ अप्रतिम सिंहक अभिनय फिल्मक रोमांचकेँ आओर गहींर बनबैत अछि।
नीव एंटरटेनमेंट इंडिया बैनरक तहत बनल एहि फिल्मक निर्देशन राजन रामगोपाल वर्मा कयने छथि। शैलेश परिहार फिल्मक निर्माता आ वृंदा ब्रह्मभट्ट सह-निर्माता छथि।
कुल मिलाकय, ‘झाड़फूँक’ फेस्टिव सीजनमे OTT पर हॉरर आ सस्पेंसक जबरदस्त माहौल बना देने अछि। फिल्मक रहस्य, डरावन दृश्य आ कलाकारसभक अभिनय दर्शकसभकेँ एकटा रोमांचक सिनेमाई अनुभव प्रदान क’ रहल अछि।
