₹1000 करोड़क शिखर: रणवीर सिंह रचलनि इतिहास, ‘धुरंधर’ सँ बॉक्स ऑफिस पर नव युगक शुरुआत

मुंबई : हिंदी सिनेमा क इतिहास मे एक नव अध्याय जुड़ि गेल अछि, आ एहि बेर कहानीक नायक छथि रणवीर सिंह। हुनकर फिल्म ‘धुरंधर: द रिवेंज’ हिंदी वर्जन मेए ₹1000 करोड़ नेट क आंकड़ा पार क’ एहन रिकॉर्ड बनौने अछि, जकरा एखन धरि केओ छू नहि सकल छल। ई उपलब्धि मात्र कमाई नहि, बल्कि फिल्म इंडस्ट्री क बदलैत स्तर आ दर्शकक बढ़ैत अपेक्षाक प्रतीक अछि।

फिल्म मे रणवीर सिंह हमज़ा आ जसकीरत क डबल रोल मे जे गहराई आ ऊर्जा क संग अभिनय कएने छथि, से हुनका नव दौरक सबसँ दमदार परफॉर्मर बना देने अछि। समीक्षक आ दर्शक दुनू हुनकर एहि प्रदर्शन के करियर-डिफाइनिंग मानि रहल छथि।

रोचक बात ई अछि जे जहिना आमिर खान ‘गजनी’ क माध्यम सँ ₹100 करोड़ क्लब क शुरुआत कएने छलाह, तहिना रणवीर सिंह आब ₹1000 करोड़ क्लब क दरवाजा खोलि देलनि अछि। ई केवल एकटा रिकॉर्ड नहि, बल्कि बॉलीवुड क भविष्य क दिशा तय करबाक क्षण मानल जा रहल अछि—जत’ स्टारडम, मजबूत कंटेंट आ भव्य स्केल तीनू क संगम साफ देखाइत अछि।

‘धुरंधर’ क सफलता ई संकेत देत अछि जे भारतीय सिनेमा आब वैश्विक स्तर पर अपन प्रभाव आ विस्तार दूनू बढ़ा रहल अछि, आ दर्शक आब नव तरहक, भव्य आ प्रभावशाली कहानी के अपनाब’ लेल तैयार छथि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *