ixigo आ ConfirmTkt के स्विगी संग साझेदारी, ट्रेन में खाना डिलीवरी सेवा शुरू

बेंगलुरु। ixigo Trains आ ConfirmTkt, भारतक प्रमुख एआई-आधारित ट्रेन टिकटिंग प्लेटफॉर्म सभ, ‘फूड ऑन ट्रेन’ सेवा के मजबूत बनाब’ लेल स्विगी संग साझेदारी कएने अछि। एहि साझेदारी स’ आब ट्रेन में यात्रा करैत यात्री अपन सीट पर आसानी स’ खाना मंगबा सकैत छथि।

ixigo आ ConfirmTkt ऐप में स्विगीक रेस्टोरेंट नेटवर्क जोड़ल गेल अछि, जाहि स’ यात्रियों के “ऑन-द-मूव” यानी यात्रा के दौरान भोजन उपलब्ध करायल जाएत। ग्राहक सभ के ओहि तरहक विकल्प, भरोसा आ सुविधा भेटत, जेना ओ घर पर स्विगी स’ खाना मंगबैत छथि।

एहि पहल स’ ixigo के विशाल रेल यूजर बेस आ स्विगीक मजबूत फूड डिलीवरी नेटवर्क मिलि क’ यात्रियों के बेहतर सेवा, अधिक विकल्प आ आसान डिजिटल अनुभव देत। ई सेवा पूरा भारत में ट्रेन यात्रा के आउर आरामदायक बनाब’ में सहायक साबित होएत।

एहि साझेदारी के तहत यात्री राष्ट्रीय ब्रांड स’ ल’ क’ स्थानीय प्रसिद्ध भोजन तक के आनंद ले सकैत छथि। यात्री अपन पसंदीदा खाना ट्रेन आब’ स’ 4 दिन पहिले स’ ल’ क’ 30 मिनट पहिले तक बुक क’ सकैत छथि, जे सीधा हुनकर सीट पर पहुंचा देल जाएत।

ixigo Trains आ ConfirmTkt के सीओओ श्रीपाद वैद्य कहलनि, “हमर लक्ष्य हमेशा ट्रेन यात्रा के अनुभव के बेहतर बनाब’ रहल अछि। खाना एहि अनुभव के महत्वपूर्ण हिस्सा अछि। स्विगी संग साझेदारी स’ हम अपन ‘फूड ऑन ट्रेन’ सेवा के आउर मजबूत बना रहल छी, जाहि स’ यात्रियों के समय पर, साफ-सुथरा आ भरोसेमंद भोजन उपलब्ध होएत।”

स्विगी के उपाध्यक्ष दीपक मालू कहलनि, “भारतीय रेलवे प्रतिदिन लाखों यात्रियों के गंतव्य तक पहुंचाबैत अछि। ixigo आ ConfirmTkt संग साझेदारी स’ आब 160 स’ अधिक स्टेशन पर यात्रियों के ट्रेन में सेहो ओहि स्तर के सुविधा आ गुणवत्ता भेटत, जे ओ घर पर उम्मीद करैत छथि, खास क’ लंबा यात्रा के दौरान।”

एहि नई सेवा स’ लाखों रेल यात्रियों के यात्रा अनुभव में महत्वपूर्ण सुधार होएबाक उम्मीद जताओल जा रहल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *