भक्ति में डूबल बेनीपट्टी: ‘व्रज धाम’ सन बनल माहौल, श्रीमद्भागवत कथा में उमड़ल श्रद्धालु

मधुबनी। जिलाक बेनीपट्टी एहि दिन सभ पूर्ण रूप स’ भक्तिमय वातावरण में डूबल अछि। श्री चैतन्य कुटी में आयोजित श्री सद्गुरुदेव ब्रज लीला प्रवेश महोत्सव के अवसर पर श्रीमद्भागवत कथा, नाम संकीर्तन आ भजन संध्या स’ पूरा क्षेत्र आध्यात्मिक ऊर्जा स’ भरि उठल अछि। हजारों के संख्या में श्रद्धालु एहि आयोजन में शामिल भ’ क’ धर्म आ भक्ति के रस ग्रहण क’ रहल छथि।

लोक जनशक्ति पार्टी (रामविलास) के युवा राष्ट्रीय उपाध्यक्ष आ प्रवक्ता डॉ. विभय कुमार झा एहि आयोजन के सराहना करैत कहलनि जे, “एहना लगैत अछि जेना पूरा बेनीपट्टी व्रज धाम में परिवर्तित भ’ गेल अछि।” हुनका अनुसार एहन धार्मिक आयोजन समाज में सकारात्मकता, एकता आ आध्यात्मिक चेतना के संचार करैत अछि।

एहि दिव्य कथा गोष्ठी में संत-महात्मा सभक सान्निध्य श्रद्धालु सभ के भावविभोर क’ रहल अछि। भजन-कीर्तन आ कथा के माध्यम स’ लोक सभ भक्ति रस में डूबल देखायल जा रहल छथि।

एहि बीच क्षेत्रीय विधायक आ भाजपा के विधानसभा उपसचेतक विनोद नारायण झा सेहो कार्यक्रम में पहुंचि व्यास पीठ पर विराजमान पूज्य आचार्य श्री पुंडरीक गोस्वामी जी महाराज के चरण में उपस्थित भ’ क’ आशीर्वाद लेलनि। हुनका एहि आयोजन के क्षेत्र लेल गौरवपूर्ण बतैत सराहना कयलनि।

स्थानीय लोक सभक कहब अछि जे एहन आयोजन स’ न केवल धार्मिक आस्था मजबूत होइत अछि, बल्कि सामाजिक समरसता आ सांस्कृतिक मूल्य के सेहो बढ़ावा भेटैत अछि। बेनीपट्टी में एहि दिन भक्ति, श्रद्धा आ उल्लास के अद्भुत संगम देखल जा रहल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *