नोएडा मे कर्ण गोष्ठी कल्याण समितिक आयोजन मे उमड़ल जनसैलाब, करीब 700 लोकक सहभागिता; समाजक छह विभूतिक विभिन्न सम्मान सँ कयल गेल अलंकृत
नोएडा। भाय दूजक पावन अवसर पर कायस्थ समाजक आराध्य देव भगवान श्री चित्रगुप्तक पूजा-अर्चना श्रद्धा, भक्ति आ हर्षोल्लासक संग संपन्न भेल। एहि अवसर पर कर्ण गोष्ठी कल्याण समिति, नोएडाक तत्वावधान मे सेक्टर-19 स्थित बी-ब्लॉक सामुदायिक केंद्र मे भव्य चित्रगुप्त पूजा, सम्मान समारोह आ सांस्कृतिक संध्याक आयोजन कयल गेल। एहि आयोजन मे करीब 700 लोक भाग लेलनि। कार्यक्रम धार्मिक आस्थाक संग सामाजिक एकता, सांस्कृतिक विरासत आ सामूहिक सहभागिताक अनुपम उदाहरण बनल।
कार्यक्रमक शुभारंभ विधिवत दीप प्रज्वलन आ भगवान श्री चित्रगुप्तक पूजा-अर्चना सँ भेल। तकर बाद समितिक परिचय, स्थापना आ सामाजिक उद्देश्य पर प्रकाश देल गेल। आयोजन मे समाजक गणमान्य व्यक्ति, वरिष्ठ अधिकारी, सामाजिक कार्यकर्ता, महिला, युवा आ बच्चा सभक उत्साहपूर्ण उपस्थिति रहल।
विशिष्ट विभूतिसभ के देल गेल सम्मान
समारोहक मुख्य आकर्षण समाज आ राष्ट्रक प्रति उल्लेखनीय योगदान देनिहार विभूतिसभक सम्मान रहल।
समितिक तरफ सँ स्वर्गीय अभय कुमार दास के मरणोपरांत ‘कर्ण विभूषण सम्मान’ प्रदान कयल गेल। ई सम्मान हुनकर धर्मपत्नी श्रीमती सरिता दास ग्रहण कयलनि।
समाजसेवा आ वंचित बच्चासभक उत्थानक क्षेत्र मे उल्लेखनीय योगदान लेल पूर्व आईपीएस अधिकारी श्री अमोद कंठ के हुनकर प्रतिष्ठित संस्था ‘प्रयास’क माध्यम सँ कयल गेल कार्यक लेल ‘कर्ण विभूषण सम्मान’ सँ सम्मानित कयल गेल।
ओतहि चार्टर्ड अकाउंटेंट श्री आशीष नीरज के हुनकर उपलब्धि आ विशिष्ट योगदान लेल ‘कर्ण गौरव सम्मान’ प्रदान कयल गेल।
एकर अतिरिक्त विशिष्ट अतिथिक रूप मे उपस्थित आईपीएस श्री के.एन. चौधरी, आईआरएस श्री रवि वर्मा आ आईआरएस श्री अभय कांत दास के समितिक तरफ सँ ‘विशेष अतिथि सम्मान’ देल गेल।
सम्मान समारोहक माध्यम सँ समितिए समाजक प्रतिभा, उपलब्धि आ सामाजिक योगदान के पहचान देबाक संग नव पीढ़ी के प्रेरित करबाक संदेश देलक।
‘कर्णोदय’ वेबसाइट आ पोर्टलक लोकार्पण
कार्यक्रमक एकटा महत्वपूर्ण आकर्षण विशिष्ट अतिथिसभक गरिमामय उपस्थिति मे ‘कर्णोदय’ वेबसाइट आ पोर्टलक लोकार्पण रहल। ई पहल समाजक सदस्यसभ के डिजिटल माध्यम सँ जोड़बाक, सामाजिक गतिविधिक जानकारी साझा करबाक आ समाजक उपलब्धि एवं प्रतिभा के एकटा साझा मंच देबाक दिशा मे महत्वपूर्ण कदम अछि।
सांस्कृतिक प्रस्तुतिसभ सँ गूंजल मिथिलाक सुर
सांस्कृतिक संध्या मे समितिक सदस्य आ प्रतिभागीसभ गणेश वंदना, शास्त्रीय नृत्य, मैथिली गीत आ समूह नृत्यक आकर्षक प्रस्तुति देलनि। एहि प्रस्तुतिसभ दर्शकसभक मन मोहि लेलक।
कार्यक्रमक विशेष आकर्षण मिथिलाक प्रसिद्ध पेशेवर गायक आ ‘मिथिला रत्न’ श्री कुंज बिहारी मिश्रक संगीतमय प्रस्तुति रहल। हुनकर मधुर गीत सभ पूरा वातावरण के भक्तिमय बना देलक आ मिथिलांचलक सांस्कृतिक छटा सँ सराबोर क’ देलक। उपस्थित श्रोतासभ हुनकर प्रस्तुति के भरपूर आनंद लेलनि।
एकर संग विभिन्न प्रतियोगिताक विजेता आ प्रतिभागीसभ के पुरस्कार देल गेल। बच्चा आ युवासभक सक्रिय सहभागिता कार्यक्रम मे विशेष उत्साह भरलक।
सामूहिक प्रयास सँ सफल भेल आयोजन
एहि भव्य आयोजन के सफल बनेबाक लेल समितिक अध्यक्ष डॉ. उग्र नारायण मल्लिक, श्री अमरेन्द्र दास, श्री अनिल कुमार कर्ण, श्री दिनेश कर्ण, डॉ. संजय लाभ सहित समितिक अन्य पदाधिकारी आ सदस्यसभक महत्वपूर्ण भूमिका रहल। सभ गोटे सामूहिक प्रयास, समर्पण आ सहयोग सँ आयोजन के यादगार बना देलनि।
कार्यक्रमक अंत मे धन्यवाद ज्ञापन कयल गेल। तकर बाद सामूहिक भोज आ आपसी परिचय-मिलनक आयोजन भेल, जाहि मे उपस्थित लोक एक-दोसर सँ मिलि आत्मीयता, सौहार्द आ सामाजिक एकजुटताक परिचय देलनि।
समाज के एक सूत्र मे जोड़बाक संकल्प
कर्ण गोष्ठी कल्याण समितिक ई आयोजन केवल धार्मिक अनुष्ठान तक सीमित नहि रहल, बल्कि समाज के एक सूत्र मे जोड़बाक, नव पीढ़ी के अपन भाषा, संस्कृति आ परंपरा सँ परिचित करयबाक आ समाजक प्रतिभासभ के सम्मानित करबाक सार्थक प्रयास रहल।
कार्यक्रम ई संदेश देलक जे हमर सांस्कृतिक विरासतहि हमर पहचान थिक आ सामाजिक एकता एवं सामूहिक सहयोग समाजक वास्तविक शक्ति थिक। भगवान श्री चित्रगुप्तक आराधनाक संग संपन्न ई आयोजन श्रद्धा, संस्कृति, सम्मान आ सामाजिक समरसताक एकटा यादगार उदाहरण बनि गेल।
